मधुलता मिश्र
वैशाली । आबै वाला समय मे देशी, विदेशी सैलानी हेलीकॉप्टर मे बैैयसकए वैशाली आबि जा सकताह। संगहि हेलिकॉप्टर स वैशालीक ऐतिहासिक जगह के देखबाक लुप्त सेहो उठा सकता । अहि लेल जल्दही एतय पर्यटन विभाग क तरफ स अधिग्रहित ढाई एकड़ जमीन पर कॉमर्शियल हेलिपैड क निर्माण कयल जेतये। अहि लेल बृहस्पति कए पदाधिकारी अहि ठाम पहुँचलाह आ अधिग्रहित जमीनक संग अहि ठाम चली रहल विकाश कार्यक निरीक्षण केला ।
बीतल 15 दिसंबर कए मुख्यमंत्री नीतीश कुमार वैशाली पहुँच कए निर्माणाधीन बुद्ध सम्यक दर्शन संग्रहालय ,स्मृति स्तूप क निरीक्षण केलथि , संगहि अहि ठाम चली रहल योजना सबहक सेहो जानकारी लेलथि । मुख्यमंत्रीक निर्देशानुसार गुरुबार कए दिन फॉलोअप एक्शन प्लान क तहत पदधिकारिक टीम अहि ठाम पहुँचल । भवन निर्माण विभाग क मुख्य अभियंता (उ) सुनील चौधरी बतेलथि जे निर्माणाधीन बुद्ध सम्यक दर्शन संग्रहालय केम्पस स सटल ढाई एकड़ क जगह सेहो सरकार अधिगृहित केने अहि । ओहि पर एक कॉमर्शियल हैलीपेड बनेबाक बात चली रहल अहि । ई बनलाक बाद पर्यटक कोनो एयरपोर्ट स हेलिकॉप्टर द्वारा आबि जा सकता। जे पर्यटक अहि ठाम एता हुनका नीक स नीक सुबिधा कोना उपलब्ध करायल जयत, ओहि सब बात पर बिचार कयल जा रहल अहि । बुद्ध सम्यक दर्शन संग्रहालय निर्माण स्थल जे पानिक जमाव होयत ओकर पूरा निरीक्षण कयल गेल, आसपास क इलाका मे ड्रेनेज पाइन क दिशा मोरल जयत ।
अभिषेक पुष्करिणि मे साल भरी रहत पाइन
जल संसाधन विभाग क मुख्य अभियंता कुमार जयंत प्रसाद कहला जे अभिषेक पुष्करिणी मे साल भरी पाइन भरल रहय , अहि योजना पर काज चली रहल अहि । मनिकपुर कैनालक लग बीतल 25 जुलाई स काज शुरू अहि । 24 जुलाई 2021 तक पूरा क लेल जयत ।
लगभग साढ़े पांच किलोमीटर क ई प्रोजेक्ट अहि । अहि में करीब आठ करोड़ क लागत आयल अहि । अहि योजना मे काफी बढ़िया हाइडेसिटी पाइप क इस्तेमाल कयल गेल अहि । हुनकर कहब अहि जे सब बिभाग क अधिकारी जल्दिये पटना मे एकटा बैसार करताह आ आपसी सामजंस्य स्थापित भ कार्य कयल जेतये , ताकि सब परियोजना कण् जल्दिए पूरा कयल जेतये। अहि मौका पर वैशाली अंचलाधिकारी गौरव कुमार ,भू -अर्जन पदाधिकारी वकील प्रसाद सिंह ,कंसल्टेंट एसएम नसीर अहमद ,सहायक अभियंता संजीव कुमार आ वकार आलम ,पटना प्रमंडल क कार्यपालक अभियंता (सरंचना ) रामबाबू प्रसाद ,भवन प्रमंडल हाजीपुर क कार्यपालक अभियंता सुभाष कुमार आदि मौजूद छलाह ।