समदिया
मधुबनी । जिलाधिकारी शीर्षत कपिल अशोक कहला अछि जे जिला मे सामाजिक सुधार लेल जीविका दीदी सबहक योगदान अदभुत अछि।
श्री अशोक आजीविका दिवस क अवसर पर आयोजित कार्यक्रम कए शुभारंभ करैत स्थानीय वाट्सन विद्यालय परिसर अवस्थित सभागार मे जीविका दीदी सबहक प्रशंसा करैत बजलाह जे जिला मध्य विकास कार्य सब, जेना शराब बन्दी, मानव श्रृंखला निर्माण, स्वच्छता अभियान, दहेज उन्मूलन बाल विवाह, घर घर शौचालय सनक काज मे दीदी लोकनिक महत्वपूर्ण योगदान अछि। ओ विश्वास व्यक्त कयल जे एहिना आगुओ विकास काज मे दीदी सब योगदान दैत रहती जाहि सँ जिला क नाम चमकए।
एकर तत्पश्चात जिला पदाधिकारी विभिन्न जीविका समूह कए प्रशस्ति पत्र एवं प्रतीक चिन्ह सँ सम्मानित कलथि। जाहि मे राजनगर क एकमा क माँ सरस्वती समूह, सतघरा क मधु समूह कए स्वरोजगार मे मेडिकल स्टोर्स, जेनरल स्टोर्स, बेकरी, सिलाई सबहिक नीक काज करबा लेल त रहिका क ओम नम: शिवाय, जितवारपुर रहिका क भारती समूह, मेहथ, झंझारपुर निर्धन समूह, लखनौर क नंदनी समूह कए सम्मानित कयल गेल। रांटी राजनगर क अर्चना जीविका पाली मोहन कलुआही क नंदन ग्राम संगठन, जयनगर कए खुला मे शौच मुक्त काज लेल सम्मानित कैल गेल।
भारत माता संकुल संघ कए ग्रामीण हाट एवं आकांक्षा संकुल संघ के कृषि(शिमलामिर्च) कए लेल सम्मानित कैल गेल। इ कार्यक्रमक आयोजन जीविका परियोजना ईकाई, मधुबनी क तत्वावधान मे आजीविका समूह केने छल। एहि कार्यक्रम मे भाग लेवा लेल जिला क सुदूरवर्ती गाम सब सँ लगभग 1500 दीदी लोकनि आयल छलीह जे कठिन श्रम एवं लगन क बदौलैत गरीबी क दुष्चक्र सँ बाहर निकलबा मे सफल भेलीह अछि।
कार्यक्रम मे जीविका परियोजनाक प्रबंधक ऋ चा गार्गी, रमेश झा, निर्देशक,आरसेटी,मधुबनी, ब्रज बिहारी भगत, निदेशक, जिला ग्रामीण विकास अभिकरण, रमण कुमार, प्रबंधक, स्वास्थ्य एवं पोषण, संतोष कुमार, प्रबंधक, संस्था निर्माण एवं प्रशिक्षण, बुद्धदेव कुमार, अमितेष कर्ण, रौशन प्रकाश, पदमाकर मिश्र समेत अन्य पदाधिकारीगण सम्मिलित भेलाह।