पटना। लोजपा प्रमुख रामविलास पासवान कहला अछि जे ओ अतीत क गलती स सबक लेलथि अछि। पासवान कहला जे बिहार विधानसभा चुनाव क बाद राज्य मे राजद लोजपा गठबंधन सरकार बनत। लोजपा सुप्रीमो स्वीकार केला जे 2005 मे विधानसभा आ 2009 मे लोकसभा चुनाव मे बिना तालमेल क चुनाव लड़ब एक भूल छल। पूर्व रेलमंत्री कहला जे 2005 मे बिहार मे राजद प्रमुख लालू प्रसाद क नेतृत्व मे सरकार नहि बनबा लोजपा गलती केलक। एहि स राजद आ लोजपा कए दूनू कए नुकसान भेल। ओ कहला जे 2005 क प्रकरण स नीतीश कुमार क रूप मे एकटा एहन व्यक्ति कए सत्ता मे एबाक मौका भेटल जे अहंकार मे चूर रहैत अछि आ जनता क भला नहि केलक।
ओ कहला जे राजद लोजपा गठबंधन कए सत्ता मे एलाक बाद ओ सुपर सीएम नहि, बल्कि महावत क भूमिका मे रहताह। पासवान कहला जे सरकार एकटा हाथी क तरह होइत अछि। ओ गठबंधन क सरकार बनलाक बाद महावत क भूमिका मे रहताह, ताकि सरकार रास्ता न भटकए। ओ नव सरकार पर अंकुश रखबाक काज करताह। चुनाव क बाद त्रिशंकु विधानसभा क आशंका कए खारिज करैत पूर्व केंद्रीय मंत्री कहला जे कांग्रेस सहित अन्य धर्मनिरपेक्ष समूह आ दल क मदद क बिना अपन बूते ओ सरकार बनेबा मे सफल हेताह।
सरकार बनला पर अपन भाई पशुपति कुमार पारस कए उप मुख्यमंत्री क रूप मेे पेश करबा पर पासवान कहला जे पारसक व्यापक अनुभव कए देखैत इ फैसला लेल गेल अछि। ओ खगड़िया क अलौली विधानसभा क्षेत्र स 1977 स विधायक छथि आ विधानसभा मे सबस वरिष्ठ सदस्य सेहो। ओ कहला जे हुनकर सरकार बनल त मुसलिम समुदाय मे व्यापक जनाधार वाला कोनो नेता कए नीक विभाग देल जाएत।
“Publik hai ye sab jante hai” Ramvilash babu aab bayan baji jhori sab mili biharak bikas me lagu nahi te abaya bala etihas neek nahi rahat