पटना। राज्य सरकार भारतीय प्रशासनिक सेवा क अधिकारी स हुनकर सम्पत्ति क हिसाब मंगलक अछि। पूछलक अछि जे बीतल वित्तीय वर्ष मे अहां आ अहांक परिवार क सदस्य केतबा संपत्ति अर्जित केलथि अछि? सरकार भ्रष्टाचार क खिलाफ अभियान चला रखने अछि। विशेष अदालत कानून लागू भ चुकल अछि। ज्ञात स्रोत स बेसी सम्पत्ति क मामला मे त्वरित सुनवाई भ सके ताहि लेल आ अतिरिक्त सम्पत्ति सरकार जब्त करि सकए तेकरा लेल विशेष अदालत गठित भ चुकल अछि।
तत्काल भारतीय प्रशासनिक सेवा क दू-तीन टा अफसर एहि दायरा मे आबि चुकल छथि। सरकारी सेवक आचार नियमावली मे सालाना धनार्जन क जानकारी सरकार कए देबाक प्रावधान अछि।
बहरहाल, बिहार मे पदस्थापित सबटा आइएएस अधिकारी कए 28 दिसम्बर कए एहि संबंध मे पत्र लिखल गेल अछि आ अगिला मास ब्योरा देबा लेल कहल गेल अछि।