नई दिल्ली। भाजपा विधायक राज किशोर केसरी क हत्या क आरोपी रूपम पाठक बुधदिन पूर्णिया सीजीएम क कोर्ट मे अभियोग पत्र दायर केलथि। मोहल्ला लाइव क संपादक अविनाश दावा केलथि अछि जे अभियोग पत्र मे एकटा चौका दइ जोकर तथ्य सामने आयल अछि। मीडिया खबर डाट काम पर जारी सूचना कए अनुसार रूपम पाठक दायर अभियोग पत्र मे बिहार क उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी पर सेहो यौन शोषण क आरोप लगा देलथि अछि। ओना ओ मुख्यरूप से इ आरोप दिवंगत विधायक पर लगेलथि अछि। रूपम अभियोग पत्र मे लिखलथि अछि जे विधायक क भतीजा सुदीप केसरी स हुनकर बेटी क अपहरण क सूचना पाबि कए ओ हुनकर घर गेल छलीह।
एहि दौरान छीना झपटी मे चाकू विधायक क पेट मे घुसि गेल। हुनकर मंशा हत्या करबाक नहि छल। रूपम कईटा आओर सनसनीखेज खुला केलथि अछि जाहि मे मोदी, सुदीप केसरी, विधायक समर्थक विपीन राय आओर भाजपा नेता विनोदानंद सिंह पर कार्रवाई करबाक अनुरोध करैत न्याय क गुहार लगेलथि अछि।
निश्चित रूप स खबर क लिहाज स इ बिहार लेल पैघ खबर छल, मुदा बिहार स छपल कोनो अखबार मे एकरा स्थान नहि देल अछि। लीड त बादक गप इ खबरि प्रथम पेज पर सेहो नहि अछि। इंटरनेट पर सर्च करबा पर केवल भास्कर मे रूपम पाठक क अभियोग पत्र मे सुशील मोदी क नाम एबाक उल्लेख अछि। सवाल उठैत अछि आखिर कए रूपमक आरोप कए अखबारक पन्ना स हटा देलक। आखिर बिहारक नीक समाद छपनिहार लोक लेल इ अग्निपरीक्षाक काल छी। गुड न्यूज कए ढाल बना कए कोनो अखबार एतबा प्रमुख समाचार कए कोना दबा सकैत अछि। इ पैघ सवाल अछि? की आजुक जमाना मे जखन समाचारक कईटा माध्यम अछि एहन मे खबरि कए मैनेज कैल जा सकैत अछि, की इ समाचार मैनेज करि लेल गेल? या फेर अखबार क संपादक लेल इ समाचार प्रकाशन क लायक नहि छल। अविनाश क अनुसार रूपम क आरोप निराधार अछि, मोदी कए फंसेबाक राजनीतिक चाल अछि, मुदा तखनो रूपमक गप कए स्थान नहि देबाक कारण की भ सकैत अछि ? समाद परिवार सेहो इ समाद देबा मे विफल रहला पर क्षमा चाहैत अछि, आशा अछि अहां हमर सबहक इ गलती कए माफ करब।