• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

आब खाली नहि रहत ककरो पेट

February 5, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। कांग्रेस अध्यक्ष सोनिया गांधी खाद्य सुरक्षा बिल कहिया लागू करा सकतीह इ त पता नहि, मुदा
बिहार मे गरीब क पेट भरबा लेल नीतीश कुमार एकटा मेगा योजना शुरू करै जा रहल छथि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क पहल पर राज्य सरकार सूबा क सबटा गरीब क पेट भरबा लेल मेगा योजना शुरू करबाक तैयारी लगभग पूरा करि लेलक अछि। नव योजना स राज्य मे कोनो गरीब भूख स नहि मरत। सब गरीब क पेट भरबाक जिम्मेवारी राज्य सरकार अपन ऊपर ल रहल अछि। देश मे पहिल बेर दरिद्र, अकिंचन आ समाज क अंतिम पायदान पर ठार लोक क पेट भरबा लेल कोनो राज्य मे मुख्यमंत्री अन्नकलश योजना 2011 शुरू कैल जा रहल अछि।
उल्लेखनीय अछि जे गरीब कए अन्न वितरण क लेल देश मे कईटा योजना चलि रहल अछि, परंच सबटा योजना बीपीएल परिवार कए लाभ दैत अछि। बिहार सरकार जे मुख्यमंत्री अन्नकलश योजना तैयार केलक अछि, ओकर लाभ सब जाति आ धर्म क लोककए भेटत। जाति देखिकए भूख क पहचान नहि होएत। कोनो व्यक्ति जेकरा खेबा लेल किछु नहि अछि ओकरा एक दाना अनाज उपलब्ध नहि अछि, एहन लोक कए नीतीश सरकार हर कीमत पर अनाज देत।
योजनाक विषय मे कहल जा रहल अछि जे अनुसार अगर कोनो व्यक्ति या परिवार कए खेबा लेल दू सांझक रोटी नसीब नहि होयत, त एहन व्यक्ति कए ग्राम पंचायत मुखिया चिह्नित करत आओर ओकरा महीना मे 40 किलो अनाज तुरंत उपलब्ध कराउल जाएत।
मुख्यमंत्री अन्नकलश योजना क लेल राज्य सरकार अलग स गोदाम मे अन्न क व्यवस्था करै जा रहल अछि। मुखिया कए अधिकार देल जा रहल अछि जे ओ कोनो गोदाम स अनाज निकालिकए एहन गरीब मे बांट दिए जे दाना-दाना लेल तरैस रहल अछि। अगर एकर बाद कोनो गाम स भूख स मरबाक सूचना भेटत त मुखिया आ बीडीओ पर हत्याक प्राथमिकी दर्ज कैल जाएत। लिहाजा नीतीश सरकार कोनो  कीमत पर भुखमरी मामला मे चूक बर्दाश्त नहि करत।
सबटा प्रखंड विकास अधिकारी कए सेहो मुख्यमंत्री अन्नकलश योजना स जोड़ल जा रहल अछि। मुखिया क संग बीडीओ सेहो अकिंचन, दरिद्र आ बेसहारा लोक कए अनाज द सकैत अछि। सूत्र क अनुसार एकटा वयस्क कए मुखिया अपन स्तर पर एक सप्ताह मे 10 किलोग्राम अनाज द सकैत अछि। यदि एकर बाद सेहो ओ भूखल अछि त बीडीओ अपन स्तर पर ओकरा एक महीना क लेल 40 किलोग्राम अनाज उपलब्ध करा सकेत अछि। अगर 40 किलोग्राम अनाज भेटलाक बाद ओकर दरिद्रता नहि मिटैत अछि तखन इ मामला डीएम लग जाएत आ ओ एकर समाधान करताह। उद्देश्य एकटा अछि किछु हुए कोई भूख स नहि मरै।
मुख्यमंत्री आपदा प्रबंधन विभाग क प्रधान सचिव व्यास जी कए इ योजना तैयार करबा लेल कहने छलाह। मुख्यमंत्री क सुझाव छल जे एहि योजना क नाम अन्नकलश राखल जाए, मुदा व्यास जी मुख्यमंत्री अन्नकलश योजना क नाम स एहि योजना कए तैयार केलथि अछि। मुख्यमंत्री अन्नकलश योजना क मसौदा पर आपदा प्रबंधन मंत्री रेणु कुमारी कुशवाहा सेहो मुहर लगा देलथि अछि। मसौदा क तकनीकी पहलु पर विचार विधि विभाग करि रहल अछि।
विधि विभाग स मुख्यमंत्री अन्नकलश योजना क लौटबाक बाट ताकल जा रहल अछि। एकर बाद योजना मद मे राशि क स्वीकृति क लेल एकरा वित्त विभाग कए पठाउल जाएत। वित्त विभाग क बाद योजना कए मंजूरी क लेल राज्य मंत्रिपरिषद कए पठाउल जाएत। चूंकि एहि योजना क परिकल्पना मुख्यमंत्री अपने तैयार केने छथि ताहि लेल संभावना अछि जे शीघ्र इ योजना जमीन पर उतरि आउत। आपदा प्रबंधन विभाग क प्रधान सचिव व्यास जी क कहब अछि जे एहि योजना क लेल अलग स कोष गठित कैल जा रहल अछि, जे मुख्यमंत्री अन्नकलश फंड क नाम स रहत।

Tags: Biharnitishगरीबनीतीशबिहार

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

डीएमसीएच कए आखिर मोन पडल अपन संस्थापक

Esamaad Epaper Website

केंद्र क विरोध जारी, पांचटा सड़क कए चार लेन बनेबा स केलक इनकार

Esamaad Epaper Website

दरभंगा घराना क युवा कलाकार महाराष्ट्र मे सम्मानित

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि