बिहारशरीफ । मुख्यमंत्री नीतीश कुमार राज्य मे विधि व्यवस्था मे सुधार क लेल पुलिसकर्मी क कार्य क प्रशंसा करैत कहला जे दस हजार पुलिसकर्मी क शीघ्र नियुक्ति कैल जाएत आ पूर्व स लंबित ढ़ाई हजार पद कए सेहो भरल जाएत। कुमार राजगीर मे बिहार पुलिस एकेडमी क निर्माण कार्य क शिलान्यास करबाक बाद एकटा समारोह कए संबोधित करैत कहला जे 133 एकड़ भूमि मे करीब 206 करोड़ टकाक लागत स इ एकेडमी इको फ्रेंडली बनत। इ भारत सरकार क ग्रीन बिल्डिंग क मापदंड क अनुसार बनत। ओ आशा जतेलाह जे निर्धारित समय सीमा क भीतर एकर निर्माण पूरा करि लेल जाएत। मुख्यमंत्री कहला जे नालंदा विश्वविद्यालय बिल कए संसद मे पेश भ जेबा स बिहार गौरवान्वित भेल अछि। कुमार नालंदा विश्वविद्यालय क चर्चा करैत कहला जे एहि विश्वविद्यालय क पुर्नस्थापना शिक्षा क क्षेत्र मे देश-विदेश मे नव आयाम स्थापित करत। इ विश्वविद्यालय शांति क प्रतिक होएत। ओ कहला जे इ विश्वविद्यालय कई मायने मे देश क अन्य विश्वविद्यालय स अलग होएत।