पटना । जनता दल (यू) क उम्मीदवार क चयन कए लकए पार्टी क राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव आओर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क बीच लंबा गप भेल अछि। एहि मसला पर दूनू नेता काफी राति धरि मंथन केलथि। दोसर दिस, भाजपा आ जदयू क बीच सीट क तालमेल लगभय तय भ गेल अछि। दूनू दल क बीच 141-102 क फार्मूला पर सहमति बनि गेल अछि। करीब आधा दर्जन सीट पर गतिरोध अछि, जेकरा खत्म करबा लेल गपशप भ रहल अछि। दो राउंड की बैठक करने के पश्चात शरद यादव ने पत्रकारों से कहा कि भाजपा के साथ सीटों के तालमेल को लेकर भी बात हुई है। एकाध सीटों को लेकर कुछ जिच है। इसे दूर कर लिया जाएगा। ओना पार्टी सूत्र स इ समाद भेटल अछि जे उम्मीदवार क चयन क काज पूरा भ गेल अछि। जदयू क करीब आधा दर्जन विधायक क टिकट कटि सकैत अछि। पहिने हिनकर संख्या बेसी छल। मुदा जाहि विधायक क परफार्मेस बहुत खराब रहल, हुनकाटा टिकट स वंचित कैल जा रहल अछि।