पटना। परिवहन निगम क संग राजधानी मे रिंग सेवा चलेनिहार इडेन कंपनी जल्द पटना हवाई अडडा स राजधानी क विभिन्न इलाका लेल एसी बस चलाउत। कंपनी एहि संबंध मे गंभीरता स विचार करि रहल अछि। जल्द एहि संबंध मे एकटा प्रस्ताव एयरपोर्ट अथारिटी कए सौंपल जाएत। ज्ञात हुए जे अपन गाड़ी नहि रहला पर एयरपोर्ट ऐब जैब काफी महग साबित भ रहल अछि। मेट्रो क मुकाबला मे एहि ठाम टैक्सी या आटो काफी महग अछि। मेट्रो शहर मे एयरपोर्ट स एसी बस क सुविधा अछि। एहि तर्ज पर राजधानी मे सेहो इडेन कंपनी एसी बस चलेबाक मन बना रहल अछि। फिलहाल कंपनी दूटा रूट कए एसी सेवा लेल चिन्हित केलक अछि। पहिल रूट गांधी मैदान स बोरिंग रोड, पाटलिपुत्रा होइत एयरपोर्ट तक जाएत। दोसर रूट गांधी मैदान स राजेन्द्र नगर होइत एयरपोर्ट तक जाएत। पाटलिपुत्र रूट स बस कए करीब डेढ़ घंटे क समय लगैत अछि। जखनकि राजेन्द्र नगर रूट स एक घंटा मे एयरपोर्ट पहुंच जा रहल अछि।