• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कहलगांव मे एकटा फूड पार्क, हाजीपुर मे बिस्कुट हब

March 25, 2011
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

पटना। धीरे-धीरे पैघ कंपनी सेहो बिहार मे छोट-छोट निवेश करबा लेल आगू आबि रहल अछि। खाद्य प्रसंस्करण स जुडल परियोजना मे सरकार कए काफी निवेश प्रस्ताव भेट रहल अछि, एहि स उत्साहित भ सरकार जतए कहलगांव मे एकटा फूड पार्क बनबा रहल अछि ओतहि हाजीपुर मे बिस्कुट हब तैयार भ रहल अछि। हाजीपुर मे एखन धरि तीनटा बिस्कुट कंपनी राज्य मे संयंत्र लगा रहल अछि। कंपनी क संयंत्र क जरिये राज्य मे करीब 118 करोड़ क निवेश आबि रहल अछि।
बिहार क उद्योग विभाग क प्रधान सचिव सीके मिश्रा कहला जे भागलपुर क निकट कहलगांव मे एकटा फूड पार्क सेहो बनाउल जा रहल अछि आ खाद्य संसाधन क्षेत्र मे कईटा कंपनी ओहि ठाम अपन इकाई लगेबा मे जुटि गेल अछि। कईटा क काज त अंतिम चरण मे अछि।
मिश्रा कहला जे हाजीपुर बिहार मे बिस्कुट निर्माणक प्रमुख केंद्र बनए जा रहल अछि।
एफएमसीजी कंपनी एहि ठाम कारखाना लगा रहल अछि। एहि सूची मे ब्रिटानिया आ पारले क नाम सेहो शामिल अछि।
मिश्रा कहला- खाद्य प्रसंस्करण हमर ताकत अछि आ हम अपन एहि काबिलियत क बेसी स बेसी इस्तेमाल करै चाहैत छी।
ब्रिटानिया समूह सबस पहिने हाजीपुर मे संयंत्र लगा रहल अछि। समूह एहि संयंत्र मे 55 करोड़ निवेश करि रहल अछि। कंपनी हाजीपुर क एहि संयंत्र मे अपन मशहूर ब्रांड्स गुडडे, टाइगर आ फ्रूटकेक क निर्माण करत। पारले समूह सेहो मुजफ्फरपुर मे 35 करोड़ टका निवेश करि कए संयंत्र लगा रहल अछि।
मिश्रा कहला जे एहि कंपनी कए संयत्र लगेबा लेल जमीन मुहैया करा देल गेल छल, आब आधारभूत संरचना तैयार भ रहल अछि। एकर अलावा खाद्य प्रसंस्करण क्षेत्र क लेल सरकार जे अनुदान देत अछि सेहो एहि कंपनी कए देल जा चुकल अछि। पश्चिम बंगाल क बंसल बिस्किट्स प्राइवेट लिमिटेड सेहो हाजीपुर मे संयंत्र लगेबा लेल 28 करोड़ निवेश करि रहल अछि।
कारोबारी सूत्र क अनुसार राज्य मे बिस्कुट क नीक बाजार उपलब्ध अछि, जेकरा भजेबा लेल कंपनी आगू आबि रहल अछि। जानकारक कहब अछि जे फिलहाल उत्तराखंड, उत्तर प्रदेश, मध्य प्रदेश आ पश्चिम बंगाल स बिस्कुट बिहार अबैत अछि, मुदा ओ दिन दूर नहि जखन बिहार स एकर निर्यात होएत। ओना एहि संबंध मे कोनो कंपनीक प्रतिनिधि स गप नहि भ सकल अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहार पहुंचल इंफोसिस, बिट्टल मे शुरू भेल काज

Esamaad Epaper Website

दिल्ली-पटना क बीच बुलेट ट्रेन लेल सर्वे शुरू

Esamaad Epaper Website

बिहार मे खुलत आओर साइकिल कारखाना

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि