• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

कान्फ्रेंसिंग रूम देख गदगद भेला किसान

December 23, 2010
in समाद विशेष
A A

दोसरसमाचार

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

भागलपुर। बिहार एग्रीकल्चर यूनिवर्सिटी (बीएयू) कए विश्वस्तरीय बनेबाक कवायद मे एक संथ 40 गोटे क बैसबा जोकर एकटा कान्फ्रेंसिंग रूम तैयार कैल गेल अछि। कान्फ्रेंसिंग रूम मे भेल पहिल बैठक मे दूर-दराज स आयल प्रगतिशील किसान एकरा देखिकए गदगद भ गेलाह। किसान क कहब छल जे बहुत बढ़िया आ हाईटेक अछि इ रूम। एहि ठाम न केवल कान्फ्रेंसिंग रूम, बल्कि वीसी कक्ष, वीसी सेल आ डीन एग्रीकल्चर क कक्ष क सेहो साज-सज्जा स्तरीय अछि। हाईटेक आ वातानुकूलित बनल एहि कोठली कए कार्डलेस ऑडियो सिस्टम, वायरलेस प्रोजेक्टर, स्मार्ट चेयर, हाईफाई लाइट स सुसज्जित कैल गेल अछि। एकरा तैयार करबा मे दस लाख टका खर्च भेल अछि। एकर अलावा 15 लाख क लागत स वीसी चौंबर, 7 लाख क लागत स वीसी सेल आ 6 लाख खर्च क डीन एग्रीकल्चर क चौंबर तैयार भेल अछि। हार्टीकल्चर विभाग मे 60 गोटे कए बैसबा जोकर हाईटेक सेमिनार हॉल लगभग बनि कए तैयार अछि। बीएयू क सबटा डीन डायरेक्टर आ अन्य अधिकारीक चौंबर सेहो हाईटेक तरीका स तैयार करि सबटा आधुनिक सुविधा उपलब्ध कराउल जा रहल अछि। फिलहाल चौंबर तैयार करबा मे 2 करोड़ क राशि खर्च भ चुकल अछि। कॉरपेरेट सेक्टर क भांति सबटा हॉल आ चैंबर बनि रहल अछि। भारत सरकार क अधीन कार्यरत राष्ट्रीय उपभोक्ता सहकारी संघ नोएडा क कंपनी एनसीसीएफ क प्रतिनिधि मनोज कुमार क निगरानी मे एकरा बनाउल जा रहल अछि। सेंट्रल स्टोर क इंचार्ज सह वरीय वैज्ञानिक डॉ. रंधीर कुमार कहला जे विश्वविद्यालय कए विश्वस्तरीय बनेबा लेल एकरा आधुनिक उपकरण स लैस कैल जा रहल अछि। ताकि एकबारगी एकरा देखिकए लोक क बिहारक प्रति धारणा बदलि जाए। बीएयू क प्रेक्षागृह कए सेहो हाईटेक बनेबाक संग-संग विश्वविद्यालय क पूरा परिसर कए वाई-फाई सिस्टम स ऑन लाइन करबाक काज भ रहल अछि।

Tags: बिहार एग्रीकल्चर यूनिवर्सिटीभागलपुर

Related Posts

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

नुकायल अपन सौरा कहीं हेरा नहि जाये

November 10, 2019

विकसित मिथिला आखिर कोना बनल पिछडल मिथिला

February 23, 2019

बढैत गेल बीमारी, घटैत गेल इलाज

January 15, 2018

दिल्‍ली स पहिने दरभंगा आयल छल बिजली

January 1, 2018

बेटा बनेलक फाइटर प्लेन, बेटी बनल ओकर पायलट

June 18, 2016

सफल भेल भागीरथी प्रयास, आठ जून स मिथिला मे उतरत विमान

May 24, 2015
Next Post

विकास क बयार स थम्हल पलायन क रफ्तार

Esamaad Epaper Website

हेलीकॉप्टर स लैस होएत बिहार पुलिस

हम करि त जातिवाद, आन करए त सोशल इंजीनियरिंग: लालू

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि