नई दिल्ली। अगस्त 2008 मे कोसी नदी मे आइल भयंकर बाढ़ पीडि़त कए राहत देबाक कोशिश एखनो जारी अछि। विश्व बैंक क एकरा लेल बिहार कए 900 करोड़ टका [20 करोड़ डालर] क मदद देबा लेल तैयार भ गेल अछि। संबंधित प्रस्ताव कए विश्व बैंक क निदेशक मंडल क मंजूरी भेट गेल अछि। दरअसल, विश्व बैंक कए पिछला साल कोसी बाढ़ स प्रभावित इलाका मे राहत कार्य चलेबा लेल आर्थिक मदद क प्रस्ताव पठाउल गेल छल। शुरुआती चर्चा क बाद बैंक संकेत देने छल जे ओ मदद लेल तैयार अछि। विश्व बैंक क दिस सइ संकेत सेहो भेटल अछि जे 900 करोड़ क रकम केवल शुरुआती छी, बाद मे आओर राशि भेट सकैत अछि। विश्व बैंक स भेटल राशि क इस्तेमाल मुख्य तौर पर कोसी क्षेत्र क लोकक पुनर्वास क लेल होएत। इ मदद बतौर कर्ज होएत, मुदा एकरा पर राज्य सरकार कए बहुत कम दर पर ब्याज देबाक अछि। संगहि इ कर्ज काफी लंबा समय [अमूमन 20 स 25 साल ] क लेल देल गेल अछि। एहन मे राज्य सरकार पर बेसी बोझ नहि पड़त। बैंक क भारत इकाई क प्रमुख रोबर्टो जाघा क मुताबिक भारत क लेल एखन जे तीनटा परियोजना पर प्रमुखता स विचार भेल ओहि मे आपातकालीन कोसी बाढ़ पुनर्गठन परियोजना प्रमुख रहल।