पटना । राष्ट्रीय खाद्य सुरक्षा मिशन योजना क संचालन मे बिहार अव्वल रहल अछि। योजना क समीक्षा क लेल केन्द्रीय कृषि मंत्रालय मे भेल बैठक मे सर्वश्रेष्ठ प्रदर्शन क लेल केन्द्रीय कृषि मंत्री शरद पवार बिहार क कृषि उत्पादन आयुक्त अशोक कुमार सिन्हा आओर कृषि निदेशक डॉ बी राजेन्दर कए पुरस्कार प्रदान केलथि। केन्द्र सरकार क दिस स शुरू भेल इ राष्ट्रीय खाद्य सुरक्षा मिशन योजना राज्य मे वर्ष 2007-8 स चलाउल जा रहल अछि। देश मे योजना क बेहतर क्रियान्वयन क लेल राज्य सरकार क कृषि विभाग कए पुरस्कृत कैल गेल अछि। योजना कए लागू भेला स सूबा मे गेहूं क पैदावार मे 30 प्रतिशत क वृद्धि भेल अछि। जे देश क अन्य राज्य क तुलना मे बेसी अछि। योजना क तहत किसान कए 3.60.000 क्विंटल गेहूं क बीज अनुदानित दर पर मुहैया कराउल गेल छल। उन्नत बीज किसान कए भेटला स प्रति हेक्टेयर उत्पादकता मे 17 प्रतिशत क वृद्धि रिकार्ड कैल गेल अछि। पूर्व मे राज्य मे गेहूं क प्रति हेक्टेयर उत्पादकता 1994 किलो छल जे आब बढ़िकए 2336 किलो भ गेल। राज्य मे गेहूं उत्पादन 27.9 लाख टन स बढ़िकए 36.21 लाख टन भ गेल अछि। मिशन योजना क तहत वर्ष 2009-10 क लेल केन्द्र सरकार स कुल 57.54 करोड़ टका भेटल छल। राज्य सरकार 52.60 करोड़ टकाक उपयोग केलक अछि। राज्य मे कृषि यंत्रीकरण योजना सेहो 100 प्रतिशत सफल रहल अछि। एहि योजना क तहत किसान कए अत्याधुनिक कृषि यंत्र अनुदान पर मुहैया कराउल गेल अछि।