पटना। बिहार मे स्थानीय स्तर पर लोक कए रोजगार मुहैया करेबा लेल आ गाम क लोक कए इंटरनेट स जोड़बा लेल भारत संचार निगम लिमिटेड (बीएसएनएल) ग्राम पंचायत मे आब इंटरनेट क सुविधा मुहैया कराउत। भारत संचार निगम लिमिटेड क महाप्रबंधक (आईटी) देवी प्रसाद मिश्र बुधदिन कहला, ‘जाहि क्षेत्र मे लैंड लाइन क सुविधा नहि होदत, ओहि ठाम सेहो बीएसएनएल वायरलेस ब्रॉडबैंड द्वारा इंटरनेट क सुविधा मुहैया कराउत।Ó केंद्र सरकार क वायरलेस ब्रॉडबैंड (वाई-मैक्स) सशक्तीकरण योजना क तहत कॉमन सर्विस सेंटर (सीएससी) क स्थापना करि राज्य क 6,500 ग्राम पंचायत मे इंटरनेट सेवा उपलब्ध कराउल जाएत। देवी प्रसाद मिश्र कहला जे प्रथम चरण मे वाई-मैक्स क 124 टॉवर लगाउल जाएत,जखन कि दोसर चरण मे 512 टॉवर लगाउल जाएत। एकटा टॉवर क क्षमता लगभग 15 किलोमीटर तक होइत अछि जे राज्य मे आमतौर पर 11 ग्राम पंचायत कए जोड़त।