पटना। बिहार मे बढि रहल मूर्ति चोरी आ ग्रंथ चोरी क मामला आब सरकार लेल परेशानीक कारण भ गेल अछि। सत्तारूढ जदयू क पार्षद सेहो एहि मामला पर सरकार क उदासीनता पर सवाल ढार क रहल छथि। दरभंगा स्थित कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय स चोरी भेल विद्यापतिक हस्तलिखित पदावली आ ग्रहण मालाक मामला एक बेर फेर गरम भ गेल अछि। एहि संबंध मे विधान पार्षद विनोद चौधरी सरकार स सवाल केलथि अछि। चौधरी सदन मे सरकार स पूछलाह अछि जे आखिर एहि धरोहर क चोरी क मामला क जांच कोन अवस्था मे अछि आ सरकार एकरा लेल की प्रयास करि रहल अछि। श्री चौधरी कहला जे दरभंगाक आइजी एहि मामला कए देख रहल छथि। विधान परिषद क सभापतिक क आदेश मे एहि मामला कए दरभंगा रेंजक आइजी कए सौंपल गेल छल, मुदा पांचटा ग्रंथ मे स कोनो ग्रंथक बरामदगी एखन धरि नहि भ सकल अछि। ज्ञात हुए जे आचार्य किशोर कुनाल क कार्यकाल मे विश्वविद्यालयक पुस्तकालय स मिथिला क धरोहर रूपी ग्रंथ सब चोरी भ गेल छल। चोरीक घटनाक किछु दिन बाद किशोर कुनाल कुलपति पद स त्यागपत्र क देलथि। स्थानीय लोक सरकार स एहि मामलाक जांच सीबीआइ स करेबाक मांग करैत रहल अछि, मुदा सरकार एकरा एकटा सामान्य चोरी मानैत रहल अछि। किछु खास लोकक दबाव पर पुलिस जांचक बाद एहि मामला मे बंद क देने छल, मुदा दरभंगाक स्थानीय लोक आ पत्रकारक विरोध पर एहि मामला कए फेर स खोलल गेल आ आइजी एक एकर जांचक जिम्मा देल गेल, मुदा एकर बावजूद जांच प्रगति असंतोष जनक अछि।