पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे चाणक्य क परामर्श क बिना चंद्रगुप्त क शासन नहि चलि सकैत छल। चंद्रगुप्त सेहो कहियो एहन काज नहि केलथि जाहि स चाणक्य क भृकुटी तने। हम सेहो कोनो एहन काज नहि करए चाहब, जाहि स ब्राह्मण समाज क भृकुटी तने। बिहार क निर्माण मे ब्राह्मण क हिस्सेदारी रहल अछि आ आगू सेहो बनल रहत।
मुख्यमंत्री ब्राह्मण राजनैतिक चेतना समिति क तत्वावधान मे स्थानीय एसके मेमोरियल हाल मे आयोजित सामाजिक-एकजुटता सम्मेलन मे बाजि रहल छलाह। मुख्यमंत्री कहला, हम हर संभव इ कोशिश केलहु अछि जे बिहार क लोक कए एक-दोसर स जोडि़। समाज मे कटुता आ तनाव खत्म हुए। हमरा स पहिने लोकतनाव स निकलल आगि पर राजनीति करैत छलाह। हम राजधर्म स डिगए वाला नहि छी। बहुत मुश्किल स बिहार विकास दिस डेग बढ़ा रहल अछि। इ सब सद्भाव क वजह स भ रहल अछि।
मुख्यमंत्री कहला जे जखन तक गरीबी दूर नहि होएत देश क तरक्की नहि होएत। गरीबी कोनो जाति-बिरादरी तक सीमित नहि अछि। सब जाति मे गरीबी छथि।