पटना। केंद्रीय सूचना मंत्रालय बिहार मे चारिटा सामुदायिक रेडियो कए मंजूरी द देलक अछि। इ चारू रेडियो स्टेशनक संचालन बिहारक चारिटा जिला स संचालित होएत। पहिल रेडियो क संचालन वैशाली, दोसर ढोली (मुजफ्फरपुर), तेसर सबोर (भागलपुर) आ चारित खुदवानपुर (बेगुसराय) मे खोलल जाएत। एहि संबंध मे सूचना मंत्रालय स अनुमति पत्र जारी भ गेल अछि। जानकारी क अनुसार तिरहुत कृषि विश्वविद्यालय, ढोली (मुजफ्फरपुर) सामुदायिक रेडियो क संचालन करत आ बिहार कृषि विश्वविद्यालय, सबोर(भागलपुर) सामुदायिक रेडियो क संचालन करत। एहि दूनू केंद्र लेल राशि विमुक्त क देल गेल अछि। एहि सेंटर क कार्यक्रम 20 किमी क दायरा मे सुनल जा सकैत अछि। कृषि विज्ञान केंद्र, वैशाली द्वारा संचालित वैशाली रेडियो आ कृषि विज्ञान केंद्र, बेगुसराय द्वारा संचालित खुदवानपुर रेडियो लेल एखन राशि क आवंटन नहि कैल गेल अछि।