पटना। बिहार मंत्रिमंडल बेतिया, अरवल, लखीसराय, समस्तीपुर, खगड़िया, भोजपुर मे आईटीआई खोलबाक प्रस्ताव कए मंजूरी द देलक अछि। एकर संग-संग विश्वविद्यालय क सेवानिवृत कर्मी क पेंशन बकाया आ अन्य लाभ आओर कार्यरत कर्मचारी क बकाया भुगतान लेल राज्य सरकार 299 करोड़ टका देलक अछि। संगहि शौर्य पुरस्कार विजेता आ मरणोपरांत हुनकर आश्रित कए देल जा रहल सम्मान राशि मे वृद्धि कैल गेल अछि। बैठक के बाद संयुक्त सचिव मंत्रिमंडल वीरेन्द्र कुमार सिंह कहला जे बैठक मे चालू वित्तीय वर्ष में सेमरा बाजार बगहा, अरवल, लखीसराय, समस्तीपुर, खगड़िया आ भोजपुर के बिहियां मे नव औद्योगिक प्रशिक्षण संस्थान स्थापित करबाक निर्णय लेल गेल अछि। नामांकन सेहो एहि साल प्रारंभ भ जाएत। एकर स्थापना क लेल 10.52 करोड़ टका क स्वीकृति देल गेल अछि। संगहि रांची तंत्रिका मनोचिकित्सा आ सम्बद्ध विज्ञान संस्थान कांके कए चालू वर्ष मे 2.93 करोड़ टका क स्वीकृति देल गेल अछि। सिंह कहला जे राज्य सरकार क मानव संसाधन विकास विभाग स स्थायी मान्यता प्राप्त विद्यालय आ स्थापना क अनुमति क प्रस्वीकृत विद्यालय मे पढ़ैवाला अनुसूचित जाति आ जनजाति क छात्र आ छात्रा कए चालू वर्ष मे छात्रवृत्ति मद मे 133 करोड़ टकाक मंजूरी देल गेल अछि। सिंह कहला जे रक्षा मंत्रालय क अनुशंसा क आलोक मे सरकार नकद पुरस्कार क राशि मे वृद्धि करि एकमुश्त भुगतान क निर्णय केलक अछि। इ निर्णय प्रदेश क ओहन सशस्त्र सेना क शौर्य पुरस्कार विजेता आ मरणोपरांत हुनकर निकटतम आश्रित क लेल प्रभावी होएत जिनका पहिल जनवरी 2010 या ओकर बाद पुरस्कृत कैल गेल अछि। पुरस्कार राशि परमवीर चक्र क लेल 10 लाख, अशोक चक्र क लेल 8 लाख, सर्वाेत्तम युद्ध सेवा मेडल क लेल 7 लाख, महावीर चक्र क लेल 5 लाख, कीर्ति चक्र क लेल 4 लाख, उत्तम युद्ध सेवा मेडल क लेल 3 लाख, वीर चक्र क लेल 2 लाख, शौर्य चक्र क लेल 1.50 लाख, सेना-नौसेना आ वायुसेना मेडल क लेल 75 हजार, मेंशन इन डिस्पैच क लेल 50 हजार, परम विशिष्ट सेवा मेडल क लेल 1.50 लाख, अति विशिष्ट सेवा मेडल क लेल 1 लाख आ विशिष्ट सेवा मेडल क लेल 50 हजार टका निर्धारित कैल गेल अछि।