पटना। बिहार दिवस पर नवकनिया सन राजधानी सजिधजि कए तैयार अछि। राजधानी क तमाम चौक-चौराहा आ सरकारी मकान जग-मग करि रहल अछि। रंग-बिरंगा फानूस आ दुधिया रोशनी स नहाइत पटना कए देखबा लेल लोक देर राति तक घर स बाहर रहल। गांधी मैदान क त गप नहि पूछू, एहि ठाम जे आकर्षक प्रकाश व्यवस्था अछि ओकर की कहब।
गांधी मैदान क समीप कारगिल चौक, जेपी गोलंबर, सुभाषचन्द्र पार्क, पीर अली पार्क, रवीन्द्र चौक (डाकबंगला चौराहा), स्टेशन गोलंबर, दिनकर गोलंबर, शहीद स्मारक, आयकर चौराहा आओर वीर कुंवर सिंह चौक आ पार्क, सचिवालय पार्क समेत अन्य चौक-चौराहा आ सड़क बेहद खूबसूरत ढंग स सजाउल गेल अछि। राजधानी मे जगह-जगह पर बिहार दिवस क होर्डिग आ पोस्टर-बैनर सेहो लगाउल गेल अछि।
गांधी मैदान मे होइवाला सांस्कृतिक कार्यक्रम क तैयारी कए लकए सेहो कलाकार रिहर्सल केलथि। सोमदिन काफी राति धरि मुख्य मंच पर कलाकार रिहर्सल मे हिस्सा लेलथि। एहि दौरान लोक नृत्य आ संगीत क अलावा नाटक क रिहर्सल दर्शनीय रहल।
उद्घाटन समारोह मे कलाकार क दिस स सांस्कृतिक कार्यक्रम क तहत रिद्म आफ बिहार, बिहार गौरव गान, चौता, होली आ चारकुला, मैथिली लोक गीत, भोजपुरी लोक गीत आ सुगम संगीत आदि क प्रस्तुति होएत।
ओतहि दोसर दिस श्रीकृष्ण मेमोरियल हाल मे सांझ सात बजे अनूप जलोटा द्वारा भजन आ गजल गायन, पंडित शिव कुमार शर्मा क संतूर वादन होएत। तारामंडल मे सांझ छह बजे संतोष कुमार नाहर क वायलिन वादन आ पंडित अजय चक्रवर्ती क शास्त्रीय गायन होएत। कतर स 20 सदस्यीय एकटा दल बिहार दिवस क कार्यक्रम मे भाग लेबा लेल पटना पहुंच चुकल अछि। 22 स ल कए 26 तक हवाई जहाज स बिहार एनिहार आ जेनिहार लोक कए पर्यटन विभाग निशुल्क मखान भेंट स्वरूप देत।