बोधगया (गया)। फिल्मी दुनिया क पाश्र्व गायक सुरेश वाडेकर कहलथि जे जेना जमाना बदलैत अछि, ओना लोक क पंसद सेहो बदल रहल अछि। हम लोक ओहने कोशिश फिल्म क जरिये करबाक कोशिश करैत छी। गाना-बजाना सेहो वक्त क हिसाब स बदल रहल अछि, मुदा एतए नहि बदलबाक चाहि। श्री वाडेकर बौद्ध महोत्सव मे अपन गायन क पहिने पत्रकार स मुखातिब छलथि। ओ कहलथि जे अगर बिहार सरकार शास्त्रीय गायन कए बढ़ावा देबए मे हमर सेवा चाहैत अछि, त सरकार क आवाज ओ जरूर सुनताह। ओ कहलथि जे बिहार क काफी बच्चा मुम्बई मे अछि, जिनकर आवाज हम सुनने छी। बिहार मे प्रतिभा क कमी नहि अछि। एहि ठाम सही दिशा-निर्देश क जरूरत अछि।