पटना । अंतरराष्ट्रीय वित्तीय संस्था क मदद स नव वित्तीय वर्ष मे सड़क सेक्टर मे जाहि सड़क पर काज शुरू होएत, ओहि मे जापान इंटरनेशनल को-आपरेशन एजेंसी (जाइका) क सहायता स 222 किलोमीटर क दूटा सडक सेहो शामिल अछि। दू स्ट्रेच मे बनेएवाला एहि फोर लेन सड़क क निर्माण काज अगिला साल अप्रैल तक शुरू होएत। पथ निर्माण विभाग क अनुसार गया-हिसुआ-राजगीर-नालंदा आओर बिहारशरीफ (एनएच-82) कए फोर लेनिंग जाइका क मदद स कैल जा रहल अछि। 95 किमी लंबा एहि सड़क क लेल बिहार राज्य रोड डेवलपमेंट कारपोरेशन लिमिटेड कए एजेंसी बनाउल गेल अछि। एहि सड़क क निर्माण पर 1640 करोड़ खर्च होएत। एहि लेल जाइका द्वारा 1229 करोड़ क ऋण उपलब्ध कराउल जा रहल अछि। शेष 411 करोड़ क राशि जाहि मे भूमि अधिग्रहण पर हाइवाला खर्च सेहो शामिल अछि, केंद्र सरकार द्वारा उपलब्ध कराउल जेबाक अछि। एहि सड़क क लेल वित्त व्यवस्था कए एहि वर्ष 30 सितंबर कए जाइका क साथ करार पत्र पर हस्ताक्षर हेबाक अछि। प्रस्तावित योजना क अनुसार एहि सड़क क निर्माण कार्य 42 मास मे पूरा करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। जाइका क मदद स पटना- पुनपुन-मसौढ़ी-जहानाबाद-गया-डोभी (एनए-83) क फोरलेनिंग सेहो होएत। एहि लेल नेशनल हाइवे आथिरिटी आफ इंडिया कए कार्यकारी एजेंसी बनाउल गेल अछि। एहि सड़क क लंबाई 127 किमी अछि। एहि सड़क क निर्माण पर 2503 करोड़ खर्च होएत। एहि प्रोजेक्ट मे जाइका 1286 करोड़ ऋण उपलब्ध कराउत। शेष 1216 करोड़ केंद्र सरकार द्वारा उपलब्ध कराउल जाएत। एक अप्रैल 2012 स एहि सड़क क निर्माण कार्य आरंभ हेबाक संभावना अछि। तीन साल क दौरान निर्माण कार्य पूरा करबाक लक्ष्य निर्धारित कैल गेल अछि।
नीक गप्प ।
परञ्च, बूझि पड़ैत अछि जेना बिहार सरकारक लेल “बिहार” माने “गंगा केर दक्षिण” प्रदेशहि छन्हि ।