कुमुद सिंह
आखिरकार ओ दिन आबि गेल जेकर नौ करोड़ बिहारी बाट ताकि रहल छल। विकास क दौर मे बिहार गुजरात स तेज भगबा मे सफल रहल, ओना इ गति कायम रहलाक उपरांतो करीब 30 साल बाद बिहार गुजरातक बगल मे ठार भ सकत। मुदा एखन जे ताजा रिपोर्ट आयल अछि ओहि मे कहल गेल अछि जे बिहार जीडीपी क मामले मे देश क नंबर वन स्टेट बनि गेल। बिहार क विकास दर गुजरात क विकास दर स बेसी भ गेल अछि। बिहार क जीडीपी दर 11.3 प्रतिशत स बढि़कए 12.6 प्रतिशत भ गेल अछि। ओतहि देशक सबस बेसी जीडीपी वाला राज्य गुजारत क विकास दर 11.05 अछि। सीएसओ( सेंट्रल स्टैस्टिकल आर्गेनाजेशन) क हवाले स इ गप पता चलल अछि। बिहार सरकार क ताजा आंकड़ा मे आओर उछाल बताउल गेल अछि। ताजा आंकड़ा कए बिहार सरकार क निदेशालय सीएसओ कए पठा देलक अछि। ताजा आंकड़ा क अनुसार बिहार गुजरात स आगू भ गेल अछि, बर्शते गुजरात क पुराने आंकड़ा मे कोनो बदलाव नहि भेल हुए।
बिहार क ग्रोथ रेट पिछला 6 साल स यानि की 2004-5 स 2008-9 क बीच 11.3 रहल अछि। एहि रिपोर्ट क अनुसार झारखंड क विकास दर 8.45, उत्तराखंड क विकास दर 9.3,ओडिशा क विकास दर 9.31 आ गुजरात क विकास दर 11.05 प्रतिशत अछि। गौरतलब अछि जे एहि रिपोर्ट क आधार पर बिहार कए बीमारू राज्यक श्रेणी मे राखल गेल छल। अगर एकरा मानक मानि एखन धरि बिहार कए बीमारू मानि लेल गेल छल, त आब इ मानबा मे हर्ज नहि जे बिहार क विकासक गति आन कोनो राज्यक गति स बेसी अछि। हां, इ जरूर ध्यान रखबाक चाही जे बिहार दौर जरूर तेज रहल अछि, मुदा कतार मे एखनो बहुत पाछु अछि।
मुदा उम्मीद बिहार कए आगू बढ़बाकएहि लेल जागल अछि, किया कि बिहार क सांख्यिकी निदेशालय जे नव आंकड़ा प्रस्तुत कैलक अछि ओकर अनुसारे मैन्युफैक्चरिंग क क्षेत्र मे अनुमान क तुलना मे तीन सौ करोड़ टका बेसी निवेश कैल गेल अछि। एकर संगहि निर्माण आ होटल व्यवसाय मे आमदनी पहिने क अपेक्षा बेसी भ रहल अछि। एहि ठाम इ ध्यान देबा स नहि चूकबाक चाहि जे निवेश आ आमदनी क आंकड़ा बिहारक परिपेक्ष मे अछि, न कि देश या गुजरातक परिपेक्ष मे। आम तौर पर एहन आंकड़ा देख आमजन दुविधा मे रहैत छथि आ एकरा असंभव मानि लैत छथि। दरअसल, बिहार मे किछु एहन क्षेत्र अछि जाहि मे निवेश आ आमदनी शून्य रहल अछि। आब जखन ओहि क्षेत्र मे छोट सन निवेश होइत अछि त आंकड़ा मे भारी बदलाव आबि जाइत अछि। जेना मानू जे पिछला पांच साल मे होटल क्षेत्र मे पांच लाख टका निवेश भेल छल आ एहि साल 50 लाख भेल अछि, त आंकड़ा दस गुना बढोतरी देखाउत, जखन कि गुजरात मे पांच करोड़ स दस करोड़ भेलाकबावजूद दू गुना बढोतरी संग बिहार स पाछु मानल जाएत। एहन मे आशा अछि जे ओ दिन जरूर आउत जहिया बिहार एकटा विकसित राज्यक श्रेणी मे प्रथम स्थान ग्रहण करत।