• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

तीन आ चारि दिसंबर कए होएत शिक्षक पात्रता परीक्षा

October 8, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना । राज्य क प्राथमिक विद्यालय मे शिक्षक क चयन लेल प्रस्‍तावित शिक्षक प्रात्रता परीक्षा तीन आ चारि दिसंबर कए होएत। दूनू दिन दू- दू पाली मे परीक्षा क आयोजन होएत। चार दिसंबर कए पहिल पाली मे पेपर वन क परीक्षा होएत। दोसरी पाली मे पेपर टू क परीक्षा होएत। एहि मे वर्ग छह स आठ क लेल आवेदन करनिहार शामिल हेताह, एहन अभ्यर्थी क संख्या लगभग आठ लाख अछि। एकरा लेल 21 स 25 नवंबर तक प्रवेश कार्ड पहुंचा देल जाएत। मानव संसाधन विकास मंत्री प्रशांत कुमार शाही, प्रधान सचिव अंजनी कुमार सिंह सहित अन्य आलाधिकारीक भेल एकटा बैसार मे परीक्षा क तिथि तय कैल गेल। टीइटी क बाद एसटीइटी परीक्षा होएत।एकरा लेल 24 अक्तूबर कए बैसार अछि।
शिक्षा सचिव कहला जे परीक्षा मे लगभग 26 लाख आवेदक शामिल भेल अछि। आवेदनपत्र गलत भरलाक कारण लगभग 6.5 प्रतिशत आवेदन रद्द कैल गेल अछि। एकर संख्या एक लाख 60 हजार अछि। ओना इ आंकडा एखन 14 जिलाक अछि। आवेदन रद्द हेबाक इ आंकडा घट या बढ़ सकैत अछि। एहन आवेदन क जिलावार संख्या प्रकाशित कैल जाएत। ओकर पूरा ब्योरा वेबसाइट पर होएत, ताकि आवेदक कए अपन गलती क जानकारी भेट सकए।
सचिव कहला जे 21 स 25 नवंबर क बीच ओहि स्कूल स आवेदक कए एडमिट कार्ड भेटत ,जतए स जे आवेदन लेलक आ जमा केलक अछि। परीक्षा क लेल प्रश्नपत्र बनेबाक जिम्मेवारी बिहार विद्यालय परीक्षा समिति आ एससीइआरटी क अछि। अनुमंडल स्तर स लकए जिला स्तर क स्कूल-कॉलेज मे परीक्षा केंद्र होएत। एक केंद्र पर लगभग 500 अभ्यर्थी क बैसबाक व्यवस्था होएत। एसटीइटी क बाबत सचिव कहला जे एहि मे 27टा विषय क लेल परीक्षा आयोजित कैल जाएत। एहि लेल कुल अभ्यर्थी क संख्या लगभग पांच लाख 28 हजार अछि। विभाग क प्रवक्ता आरएस सिंह कहला जे कदाचाररहित परीक्षा क लेल बीएसइबी आ एसटीइटी कए आवश्यक निर्देश देल जा चुकल अछि। आवश्यकता पडल त मैट्रिक क तर्ज पर वीडियोग्राफी सेहो करबा सकैत छी।

Tags: Biharpatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

संगीत त हमर रोम रोम मे अछि : प्रियंका

Esamaad Epaper Website

आब कॉलेज मे होएत सिंडिकेट क बैठक

Esamaad Epaper Website

बिहार मे आउत सीएनजी

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि