नई दिल्ली। आखिरकार लालू प्रसाद क एकटा सपना ममता बनर्जी पूरा करबा लेल पहल शुरू करि देलथि अछि। नई दिल्ली कए पटना स तेज रफ्तार बुलेट ट्रेन स जोड़बाक संभावना क आकलन करबाक काज शुरू भ गेल। ब्रिटिश कंपनी मॉट मैकडोनाल्ड 993 किलोमीटर लंबा एहि रेलमार्ग क बारे मे रिपोर्ट तैयार करबाक काज शुरू करि देलक अछि। पिछला सप्ताह रेल मंत्रालय एहि कंपनी कए इ जिम्मेदारी सौंपने छल।
अगर योजना जमीन पर आएल त नई दिल्ली स चलिकए आगरा, लखनऊ, वाराणसी होइत बुलेट ट्रेन पटना पहुंचत आ ओहि रूट स वापस आउत।
रिपोर्ट मे बुलेट ट्रेन चलेबाक तकनीकी, आर्थिक आ व्यावहारिक पहलु क विस्तृत आकलन होएत। एहि रिपोर्ट कए तैयार करबा करीब 8.8 करोड़ व्यय होएत। कंपनी अपन रिपोर्ट 7 माह मे रेल मंत्रालय कए सौंप दैत। मौजूदा समय मे नई दिल्ली-पटना क बीच सबस तेज गति स राजधानी एक्सप्रेस चलैत अछि, जे 12 घंटा स बेसी समय लैत अछि। बुलेट ट्रेन स एहि समय कए घटाकए 5 घंटा स कम कैल जा सकैत अछि। रेलवे एखन धरि देश मे 6टा रूट चिन्हित केलक अछि, जाहि पर 250 स 300 किलोमीटर प्रति घंटा क रफ्तार वाला बुलेट ट्रेन चलाउल जा सकैत अछि। पुणे-मुंबई-अहमदाबाद रूट क आकलन कैल जा चुकल अछि। हावड़ा आ हल्दिया क बीच आ दिल्ली- चंडीगढ़- अमृतसर क बीच तेज रफ्तार ट्रेन चलेबाक संभावना पर रिपोर्ट तैयार भ रहल अछि। एकर बाद हैदराबाद- दोर्णाकल- विजयवाड़ा-चेन्नई रूट आओर चेन्नई- बेंगलूर- कोयंबटूर- एर्नाकुलम रूट पर बुलेट ट्रेन चलेबाक संभावना ताकल जाएत।
देश मे तेज रफ्तार ट्रेन क संचालन लेल रेल मंत्रालय एकटा नव अथॉरिटी क गठन करत, एकर नाम नेशनल हाई स्पीड रेल अथॉरिटी होएत। एहि समय तैयार होइवाला प्रति किलोमीटर रेल रूट पर करीब 6 करोड़ टका व्यय होइत अछि, जखनकि बुलेट ट्रेन चलेबा लेल आवश्यक रेल रूट कए तैयार करबा मे 70 करोड़ टका प्रति किलोमीटर क दर स व्यय हेबाक संभावना अछि। रेल मंत्रालय एकरा प्रदेश सरकार आ निजी क्षेत्र क सहयोग स क्रियान्वित करबा विचार करि रहल अछि। उम्मीद अछि जल्द परिणाम सामने आउत।
bahut sundar news achhi apna sab maithil wasi ke lel.