पटना । सरकार क लेबर बजट संशोधित हुए जा रहल अछि आ गाम मे नरेगा (राष्ट्रीय ग्रामीण रोजगार अधिनियम) क दायरा सेहो बढ़ेबाक तैयारी अछि। ओना एखन इ मामला दिल्ली दरबार मे अछि आ मांग दस हजार करोड़ क अछि। मौजूदा प्रावधान 3200 करोड़ क अछि। सुनए मे इ हो आयल अछि जे इ भले पैघ रकम लागे, मुदा राजस्थान स कम अछि। केन्द्र राजस्थान कए 6000 करोड़ देलक अछि। एहि विसंगति क दोसर पहलू इ अछि जे लेबर बजट क मंजूर राशि सेहो दिल्ली मे अटकल छल, मुदा राज्य सरकार क पहल पर एकरा जारी करबाक निर्देश देल गेल अछि।
नरेगा कए मजदूरी क आइना मे देखी त एहि साल 3200 करोड़ क लेबर बजट स तीन करोड़ 20 लाख श्रम दिवस क सृजन होयत आ सौ दिन क अधिकतम सीमा क आधार पर एहि रकम स कम स कम तीन लाख लोक कए रोजगार भेटत । ओना, राज्य मे 1.12 करोड़ जॉब कार्ड बनाउल जा चुकल अछि आ एहिमे स 61 लाख लोक क बैंक मे खाता सेहो खुलि चुकल अछि। ग्रामीण विकास मंत्री भगवान सिंह कुशवाहा कहैत छथि जे आबै वाला दू माह मे जॉबकार्ड आ बैंक मे खाता खोलैय वाला क संख्या आओर बढ़त। दिल्ली इ गप मानि लेलक आ लेबर बजट बढ़ा देलक त राज्य क तस्वीर बदलि जाइत।
बढ़त दायरा
राज्य क 26 जिला सूखा क चपेट मे अछि। गाम मे कृषि क्षेत्र क अकुशल मजदूर क बीच काज क मांग बढि़ रहल अछि। एकरा देखैत राज्य सरकार नरेगा कए नव कलेवर मे ढालबाक योजना बनौलक अछि।
ग्रामीण स्वच्छता
पांच सौ क आबादी कए आधार मानि सौ दिन क लेल एक व्यक्ति क नियुक्ति बतौर सफाईकर्मी होइत। चक्रानुक्रम क आधार पर साल भरि मे एहि कार्यक्रम स 3-4 परिवार कए जोड़ल जायत। सरकार क तर्क अछि जे एहि स गाम मे साफ-सफाई रहत आ संक्रामक बीमारी क रोकथाम मे मदद भेटत । योजना कए जमीन पर उतारबा लेल बस बाल्टी, झाड़ू, गैमक्सीन आ ब्लीचिंग पाउडर क दरकार अछि। विद्यालय मे सेहो एहन व्यवस्था कैल जा सकैत अछि आ 100 बच्चा पर एकटन सफाईकर्मी नियुक्त कैल जा सकैत छैक।
साक्षरता
राज्य मे निरक्षर क संख्या 1.7 करोड़ आंकल गेल अछि। सरकार एहि पैघ आबादी कए साक्षर बनेबा लेल नरेगा कए माध्यम बनेबाक लेल केन्द्र स अनुमति मांगलक अछि । आकलन बतबैत अछि जे एहि पैघ आबादी कए साक्षर बनेबा लेल 17 लाख पढ़ल-लिखल नौजवान कए रोजगार भेट सकैत अछि आ 1734 करोड़ क राशि क व्यय स बिहार पूर्ण साक्षर भ सकैत अछि। एकरा लेल बस स्लेट, पेंसिल आ किछु किताब क बतौर मटेरियल कंपोनेंट दरकार अछि।
श्मशान
श्मशान क सेहो निर्माण नरेगा स करेबाक प्रस्ताव अछि। सरकार क कहब छैक जे एहि स पर्यावरण प्रदूषण रोकबा मे मदद भेटि सकैत अछि।
खेल क मैदान
नरेगा स गांव क खेल मैदान मे सांस्कृतिक कार्यक्रम क लेल प्लेटफार्म क निर्माण कराउल जाइत। एहि योजना क अलावा सरकार आंगनबाड़ी केन्द्र, ग्रामीण हाट आदि कए सेहो नरेगा स जोड़बाक योजना बना रखने अछि। अगर दिल्ली मेहरबान भेल त सूखा वाला जिला क चेहरा त बदलबे करत, बिहार एक बेर फेर देश कए नव बाट देखबे मे सफल रहत।