पटना । बिहार मे उत्पादित खास जैविक फल आ तरकारी क कद्रदान अमेरिका सहित कई देश मे अछि। खास तरह क एहि उत्पाद कए आब पुख्ता तरीका स विदेशी बाजार मे उपलब्ध करौउल जाएत। कृषि मंत्री डॉ रेणु कुमारी कहलथि अछि जे राज्य सरकार राज्यक चयनित सबटा गाम क उत्पाद क सर्टिफिकेशन क निर्णय केलक अछि। सर्टिफिकेशन क बाद जैविक उत्पाद कए अंतरराष्ट्रीय मान्यता भेटबा मे सुविधा भ जाएत। ओ कहलीह जे पायलट प्रोजेक्ट क तौर पर फिलहाल दू टा जिला पटना आ नालंदा क चयन भेल अछि। पटना जिला क दरौंदा आ नालंदा क मुजफ्फरपुर गाम कए जैविक ग्राम क रूप मे चयनित कैल गेल अछि। एहि काज क लेल एजेंसी कए जिम्मेदारी देबाक ने का निर्णय लेल गेल अछि। गौरतलब अछि जे हाल मे राज्य सरकार 38 जिला क एक-एकटा गाम क चयन जैविक ग्राम क रूप मे केलक अछि। समस्तीपुर स्थित मॉडल जैविक गाम कोठिया क समान सबटा चयनित गाम कए विकसित करबाकयोजना अछि। अंतरराष्ट्रीय स्तर क ‘जैविक फूडÓ क निर्माण क बाद सरकार क एहि पहल स किसान, मजदूर आ व्यापारी कए लाभ होएत।