27 अक्टूबर कए दरभंगा जेताह उपमुख्यमंत्री
पटना । पंडौलक भाजपा विधायक विनोद नारायण झा कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय आ मिथिला शोध संस्थान स चोरी भेल बहुमूल्य पांडुलिपि क जांच क मामला सीबीआई कए सौंपबा लेल केंद्र सरकार स गुहार केलथि अछि। दोसर दिन गंभीर भ रहल एहि मामलाक जानकारी लेबा लेल 27 अक्टूबर कए उपमुख्यमंत्री सुशील कुमार मोदी दरभंगा जेताह। ओ कामेश्वर सिंह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालय आ मिथिला शोध संस्थान क पदाधिकारी संग बैठक करताह। संगहि दरभंगाक आइजी स एखनधरि भेल जांचक प्रगति रिपोर्ट लेताह। ज्ञात हुए जे विनोद नारायण झा एहि स पूर्व राज्य सरकार स सेहो मिथिलाक एहि बहुमूल्य धरोहरक चोरीक जांच मे बरतल जा रहल शिथिलता पर असंतोष जता चुकल छथि। झाक कहब अछि जे 2003 मे दरभंगा स्थित मिथिला शोध संस्थान आ कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय से पांच टा पांडुलिपि चोरी भेल छल। ओहि समय मे संस्कृत विश्वविद्यरलय क कुलपति बिहार धार्मिक न्यासक कर्ताधर्ता किशोर कुणाल छलाह। गायब भेल पांडुलिपि में ग्रहणमाला सेहो छल। जानकारक अनुसार ग्रहण माला मे 2009 क सूर्य ग्रहण क संबंध जे लिखल छल ओहि तारेगनाक उल्लेख छल। कहल जा रहल अछि जे ओ ग्रहणमाला अमरीका पहुंच चुकल अछि अथवा अमरीका तक ओहि व्यक्तिक पहुंच अछि, जेकरा लग ओ पहुंचल अछि। किया कि एखनधरि प्राप्त कोनो दस्तावेज मे इ लिखित जानकारी नहि भेटल अछि जे तारेगना मे 2009 मे लागल सूर्यग्रहण सबस बेसी समय तक
देखल जा सकैत अछि। दरअसल, कर्क रेखा पर स्थित एहि स्थानक उल्लेख ग्रहण माला मे रहबाक कारण स ओहि रेखा पर अवस्थित आन गामक नाम सामने नहि आबि सकल आ तारेगनाक नाम चर्चा मे आबि गेल।