पटना। मुजफफरपुर पूसा रोड क बीच पिल्खी घाट पुल कए आइ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार लोकार्पित करि देलाह। एहि अवसर पर पथ निर्माणमंत्री नदकिशोर यादव सेहो उपस्थित छलाह। एहि पुल सपना पिछला 65 साल स देखल जा रहल छल। एहि पुल कए चालू भ गेला स पटना आ समस्तीपुर क दूरी कम भ गेल जखन कि पटना स दरभंगा, मधुबनी आ सुपौल क दूरी सेहो कम भ गेल। एकर संगहि पटना स दरभंगा जेबा लेल मुजफफरपुर जेबाक बाध्यता सेहो समाप्त भ गेल। मुख्यमंत्री एहि अवसर पर कहला जे राज्य मे आब सडक आ पुल विकासक आइना बनि गेल अछि। ओ कहला जे राज्यक कोनो कोन स पटना एबा लेल पांच घंटा क यात्राक हुनक संकल्प पूरा भ रहल अछि।
दोसर दिस केंद्रीय सडक परिहन आ राजमार्ग मंत्री सीपी जोशी आइ पटना पहुंच गेलाह। ओ बुधदिन निर्मली आ सरायगढ क बीच बनल कोसी महासेतु कए उदघाटन करताह। पटना पहुंचला पर पत्रकार स गप करैत जोशी कहला जे राज्य सरकार बिना अनुमति कए एनएच क मरम्मत करा देने अछि ताहि लेल केंद्र ओकरा राशि देबा मे असमर्थ अछि। ओना ओ कहला जे बिहार मे सडक लेल केंद्र राशि क कमी नहि हुए देत। एहि पुल कए चालू भेला स 1934 मे दू भाग मे बंटल मिथिला एक भ जाएत। एखन मधुबनी स सुपौल जेबा लेल लोक अतिरिक्त 250 किमी तय करैत अछि। 10.63 किमी लंबा संपर्क पथ सहित एहि सेतु कए बनेबा मे कुल 418 करोड खर्च कैल गेल अछि। एहि अवसर पर मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो उपस्थित रहताह।
Pariwartanak Bayaar..Vikasak Aadhaar..
Jay Mithila Jay Maithili jakhan -2 kono vikas ke kaaj hoyat ta maithil ke sar garv sa unch hoyat……..