पटना। प्राथमिक शिक्षक पात्रता परीक्षा (टीइटी) क तारीख पर अनिश्चितता खत्म भ गेल। इ परीक्षा आब 20 आ 21 दिसंबर कए होएत। पूर्व में इ परीक्षा 3 आ 4 दिसंबर कए घोषित छल, मुदा अन्य परीक्षा स टकराव भेला स तारीख में फेरबदल कैल गेल अछि। मानव संसाधन विकास विभाग क संयुक्त निदेशक आरएस सिंह कहला जे करीब एक लाख पद पर नियत वेतनमान में नियोजन लेल टीइटी में उत्तीर्ण हेबा लेल 60 अंक निर्धारित अछि मुदा आरक्षित कोटा क तहत अनुसूचित जाति-जनजाति क लेल महज 55 अंक निर्धारित छल। आब एकर विस्तार कए पिछडल आ अति पिछडल वर्ग क अभ्यर्थी लेल सेहो उत्तीर्णाक 55 निर्धारित कैल गेल अछि। संयुक्त निदेशक क मुताबिक सीबीएसइ द्वारा राष्ट्रीय स्तर पर आयोजित शिक्षक पात्रता परीक्षा में सफल अभ्यर्थी बिहार में बतौर शिक्षक नियोजित भ सकैत छथि, हुनका बिहार टीइटी देबाक जरूरत नहि अछि।
एससीइआरटी आ बिहार विद्यालय परीक्षा समिति क संयुक्त तत्वावधान में जिला मुख्याल आ अनुमंडल स्थित केंद्र पर आयोजित होइवाला एहि परीक्षा में लगभग 26 लाख अभ्यर्थी शामिल हेताह। अभ्यर्थी में लगभग 6.5 प्रतिशत (3.95 लाख) क आवेदन अस्वीकृत कैल गेल अछि। दूनू दिन परीक्षा दू पाली मे होएत। प्राथमिक शिक्षक पद लेल 20 दिसंबर क दूनू आ 21 दिसंबर कए पहिल पाली में परीक्षा लेल जाएत, जखनकि दोसर पाली में ओहने अभ्यर्थी परीक्षा देताह जे मध्य विद्यालय में शिक्षक बनबाक निर्धारित योग्यता रखैत छथि।