पटना। बिजली संकट स जूझ रहल बिहार कए निजात दिएबा लेल मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे भूटान स भारत मे आयातित बिजली क एकटा हिस्सा बिहार कए सेहो भेटबाक चाही। मुख्यमंत्री अपन तीन दिवसीय भूटान यात्रा पर चार मई कए पटना स विदा हेताह। एहि यात्राक संदर्भ मे ओ कहला जे भूटान नरेश आओर प्रधानमंत्री क न्योत पर ओ भूटान जा रहला अछि। नीतीश कहला जे भारत सरकार क सहयोग स भूटान मे कईटा पनबिजली परियोजना स्थापित भेल अछि, जाहि स देश कए विद्युत प्राप्त होइत अछि। एहि मे स बिहार कए सेहो हिस्सा भेटबाक चाही।
ओ कहला जे एहि विषय कए भूटान क यात्रा स किछु लेना देना नहि अछि किया जे इ देश क भीतर केंद्र आओर राज्य क विषय अछि। मुख्यमंत्री कहला जे भूटान मे ओ किछु पनबिजली परियोजना कए देखलाक बाद ओकरा राज्य मे संभावना तकताह। बिहार मे पनबिजली उत्पादन क व्यापक संभावना अछि। दूनू देश क बीच ऐतिहासिक आओर सांस्कृतिक संबंध अछि।
नीतीश कहला जे भूटान स हमर भावनात्मक रिश्ता अछि, किया जे भूटान क पर्यटक बिहार मे बोधगया, राजगीर आओर नालंदा मे बड़ी संख्या मे आबैत छथि। पर्यटक क आवागमन कए सुविधापूर्ण बनेबा लेल हम विचार विमर्श करब। बिहार पर्यटन निगम भूटान मे एकटा प्रदर्शनी सेहो लगाउत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला जे भूटान सकल खुशहाली सूचकांक क माडल विकसित केने अछि। एकर बारे मे बहुत चर्चा अछि आओर हम सेहो एहि बारे मे बुझबाक इच्छुक छी। नीतीश कहला जे भूटान क नरेश आओर प्रधानमंत्री पश्चिमी देशक जीडीपी आधारित आर्थिक सूचकांक क स्थान पर जीएचपी कए अपनेने छथि। हमरा एकर संबंध मे बहुत किछु बुझबाक अछि। ओ कहला जे ओ एकर अवधारणा, माप क तरीका, जनजीवन पर एकर प्रभाव आओर लोक पर पडि रहल असर क बारे मे जानकारी लेब। मुख्यमंत्री कहला जे भूटान क गृहमंत्री क यात्रा क बाद राजगीर मे मित्र देश द्वारा बौद्ध मठ स्थापित करबा लेल जमीन चयनित करि लेल गेल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क संग ऊर्जा विभाग, पर्यटन आओर सूचना जनसंपर्क विभाग क प्रधान सचिव सहित अधिकारी क एकटा छोट सन दल सेहो भूटान जा रहल अछि। नीतीश कहला जे हुनका चीन क यात्रा क लेल सेहो न्योत भेटल अछि, मुदा ओकरा लेल एखन तारीख तय नहि भ सकल अछि।