• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

बिहार कए नुकसान पहुंचा रहल अछि केंद्र

September 13, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे केंद्र सरकार बिहार कए हल मामला मे नुकसान पहुंचा रहल अछि। नीतीश कुमार एक दिस गंगा जल बटवारा पर केंद्र कए बिहार विरोधी कहलाह त दोसर दिस बिहारक हिस्‍साक खाद दोसर राज्‍य कए देबा पर गंभीर आपत्ति दर्ज करौलथि। मुख्‍यमंत्री कहला जे बिहार विशेष राज्‍यक हकदार अछि एकर बावजूद केंद्र एहि मागक प्रति उदासीन अछि।
दामोदर जल बटबारा पर श्रीबाबूक बयान आ गंगा जल बटवारा पर राबडी देवीक चुपी स विपरित नीतीश कुमार साफ तौर पर कहला जे केंद्र क जल बटवारा स बिहार कए नुकसान भ रहल अछि। 1996 मे भेल बांग्‍लादेश संग गंगा जल समझौता मे बिहारक हित नजरअंदाज भेल आ तत्‍कालीन राज्‍य सरकार चुप रहल। तत्‍कालीन राज्य सरकार कए बिहारक जनता प्रति जिम्‍मेदारी स सोचबाक चाहै छल। बिहार क संग अन्याय भेल आ राज्‍य सरकार जनता कए भ्रम मे रखलक। केंद्र क पोल खोलैत नीतीश कुमार कहला जे बक्सर मे गंगा क डिस्चार्ज 400 क्यूसेक रहैत अछि आ फरक्का मे 1500 क्यूसेक डिस्चार्ज अछि। ओहि समय हर हाल मे तत्कालीन बिहार सरकार कए इ मामला उठेबाक चाहैत छल।
मुख्यमंत्री कहला जे बिहार मे गंगा यूपी स जेतबा जल अनैत अछि ओहि स बेसी जल बंगाल कए दैत अछि, एकर बावजूद गंगा जल क उपयोग करबाक हक बिहार कए नहि अछि। हमर नदी क गहराई घटैत जा रहल अछि, मुदा हम किछु नहि करि पाबि रहल छी। बांग्लादेश कए जखन गंगा जल देल जाइत अछि तखन फरक्का क एकटा विद्युत उत्पादन इकाई बंद भ जाइत अछि। केंद्र क चालि कही या बिहार क दुर्योग मुदा इ सेहो सच अछि जे फरक्का क ओहि विद्युत उत्पादन इकाई स एनटीपीसी बिहार कए जोडि रखने अछि। बिहार मे बिजली संकट क एकटा कारण इ सेहो अछि।
केंद्र सरकार पर बिहार क हित क संग बेर-बेर खिलवाड करबाक आरोप लगबैत मुख्यमंत्री कहला जे जल आ बिजली त केंद्र क मेहरबानी स बिहारक किसान कए नहि भेट रहल अछि, आब बिहारक हिस्‍सा क खाद सेहो दोसर राज्‍य कए पठाउल जा रहल अछि। ओ कहला जे इ समझ स परे अछि जे बिहारक दू मासक खाद क कोटा दोसर राज्‍य कए किया देल गेल, जखन कि दोसर हरित क्रांति लेल बिहार क किसान जुटल छथि।
मुख्यमंत्री कहला जे इ हमरा मंजूर नहि जे बिहार किसानक हम केंद्र उठा कए महाराष्ट्र क किसान कए द दिए। कृषि मंत्रालय जाहि रूप मे बिहार कए देखैत अछि ओ चिंता क कारण अछि। ओना बिहारक सांसद दिल्‍ली मे सक्रिय छथि जेकर परिणाम अछि जे केंद्र सरकार एहि गलती कए स्वीकार केलक अछि।
मुख्यमंत्री कहला जे बिहार मे खेतीक स्थिति मे सुधार अछि आ उत्‍पादक बढल अछि। एहन मे खाद क मांग बढल अछि, मुदा केंद्र बिहार कए अतिरिक्‍त खाद देबाक बदला मे कोटा क खाद देबा स सेहो कतरा रहल अछि। खाद भेटत त स्थिति मे आर सुधार होएत।
ओ कहला जे बिहार कए विशेष राज्य क दर्जा दियेबा लेल प्रयास भ रहल अछि। अंतर मंत्रालयीय समूह क ट‌र्म्स आफ रेफरेंस स उम्मीद बढल अछि। केंद्र द्वारा बेर बेर इ कहब जे एकर फैसला राष्ट्रीय विकास परिषद करत बिहार क जनता कए भ्रम मे रखबाक प्रयास छी। निर्णय केंद्र सरकार कए लेबाक अछि। मुख्यमंत्री कहला जे विशेष राज्य क दर्जा लेल एहि स पैघ आधार की भ सकैत अछि जे दिल्ली क जे प्रति व्यक्ति आय अछि ओकर सातम हिस्‍सा क समतुल्य अछि बिहार मे प्रति व्यक्ति आय। बिहार कए आगू अनबा लेल विशेष पहल त करबाके अछि।

Tags: Biharnitish

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

सीआरएस रिपोर्ट मे बिहार क सराहना

Esamaad Epaper Website

पटना मेट्रो लेल बनत फिजिबिलिटी रिपोर्ट

Esamaad Epaper Website

तीन राति बंद रहत गांधी सेतु

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि