पटना। बिहार मे बिजली क मांग मे लगातार इजाफा भ रहल अछि, जखन कि आपूर्ति ओहि अनुपात मे नहि भ पाबि रहल अछि। एहन मे राज्यक विकास दर आ गरमी कए देखैत राज्य विद्युत बोर्ड 200 मेगावाट अतिरिक्त बिजली कीनबाक निर्णय लेलक अछि। बोर्ड अधिकारी क मुताबिक बिहार कए वर्तमान मे प्रतिदिन 3,000 मेगावाट बिजली क आवश्यकता अछि, जख्सन कि औसत उपलब्धता 900-1,000 मेगावाट क बीच अछि। एहि मे स 350 मेगावाट बिजली अनिवार्य सेवा कए द देल जाइत अछि। राज्य क राजधानी पटना कए असगर 400 मेगावाट बिजली क जरूरत अछि। ओ कहला जे ताहि लेल बिजली बोर्ड तत्काल 200 मेगावाट अतिरिक्त बिजली कीनबा लेल निविदा आमंत्रित केलक अछि, जे अल्प अवधि (शार्ट टर्म) क लेल होएत आ एकर आपूर्ति एहि वर्ष लेल मात्र होएत। एहि स पूर्व सेहो बिजली बोर्ड 1,500 मेगावाट बिजली क लेल निविदा आमंत्रित करि चुकल अछि। उल्लेखनीय अछि जे बिहारक जिला मुख्यालय बिजलीक भारी किल्लत स जूझि रहल अछि।