पटना। बिहार एक बेर फेर इतिहास रचबा लेल तैयार अछि। राज्य सरकार भ्रष्ट अधिकारी क बाद आब सरकारी धन क दुरुपयोग मे लिप्त बिचौलिया या दलाल क खिलाफ कार्रवाई करब शुरू करि देलक अछि। एहि संबंध मे इ’समाद किछु दिन पहिने इ सूचना अहां सब धरि पहुंचा चुकल अछि जे सरकार एहन दलाल संपत्ति जब्त करबा लेल प्रयास क रहल अछि। एहि संबंध मे सरकार क कानूनी प्रक्रिया पूरा भ गेल आ राज्य क पुलिस प्रमुख अभयानंद कहला अछि जे राज्य सरकार 2टा बिचौलिया क सम्पत्ति कए जब्त करबा लेल तैयार अछि। ओ कहला जे राज्य सरकार अररिया जिला क 2टा बिचौलिया क सम्पत्ति कए जब्त करबाक अनुमति द देलक अछि। ओ कहला जे बिहार मे इ पहिल बेर भ रहल अछि जखन गैर सरकारी व्यक्ति क अवैध तरीका स जमा सम्पत्ति कए जब्त कैल जा रहल अछि। जिला पुलिस क पदाधिकारी क अनुसार बिचौलिया रुद्रानंद झा आ रामपुकार चौधरी क सम्पत्ति कए जब्त करबाक क प्रक्रिया शुरू करि देल गेल अछि। दूनू पर 2001-08 क दौरान सरकार प्रायोजित इंदिरा आवास योजना क तहत 30 करोड़ टकाक गबन क आरोप अछि। पूर्णिया क डीआईजी अमित कुमार कहला अछि जे कोर्ट क आदेश पर जिला प्रशासन हुनकर 22टा प्लॉट कए जब्त करत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार चेतावनी देने छलाह जे सरकार बिचौलिया कए बर्दाश्त नहि करत। ओ कहने छलाह जे सरकार इंदिरा विकास योजना क तहत धन देबा क प्रक्रिया में बिचौलिया कए हटेबा लेल सख्त डेग उठेबा लेल तैयार छथि। पिछला साल बिचौलिया द्वारा धन हड़पबा आ प्रताड़ित करबा क कारण एकटा महादलित परिवार क 5 सदस्य आत्महत्या क लेने छल। एहि घटना क बाद इंदिरा आवास योजना क कोष आवंटन में बिचौलिया क भूमिका उजागर भेल छल।