पटना। उपमुख्यमंत्री सह वित्तमंत्री सुशील कुमार मोदी मोदी कहला अछि जे सरकार क प्रयास ‘सिंगल विंडो सिस्टम’ कए प्रभावी बनेबाक अछि। मोदी कहला जे सरकार शीघ्र इंडस्ट्रियल प्रमोशन बोर्ड क गठन करै जा रहल अछि। प्रदेश मे औद्योगिकरण कए आओर गति देबा लेल पुरनका औद्योगिक नीति 2006 क जगह पर एकटा नव औद्योगिक नीति आनल जा रहल अछि। गौरतलब अछि जे 31 मार्च कए वर्तमान औद्योगिक नीति 2006 क समय सीमा समाप्त भ रहल अछि। ओ कहला जे नव औद्योगिक नीति क बनबा धरि पुरनका औद्योगिक नीति क समय सीमा कए तीन मास क लेल बढा देल गेल अछि।