पटना। अमेरिका क दक्षिण आ मध्य एशिया मामलाक कसहायक सचिव राबर्ट ओ.ब्लेक कहला अछि जे अमेरिका क व्यापारी बिहार मे निवेश करबा लेल तैयार छथि। विश्व प्रसिद्ध वालमार्ट जइसन रिटेल चेन (खुदरा व्यापार श्रंखला) क कंपनी बिहार एबा लेल सबस बेसी उत्सुक अछि। अमेरिकी व्यवसायी क एकटा प्रतिनिधिमंडल एहि साल क अंत या अगिला साल क शुरुआत मे बिहार क दौरा पर आउत। ओ कहला जे अमेरिका बिहार कए बिजली उत्पादन मे हर संभव मदद देबा लेल तैयार अछि। अमेरिका बिहार कए तकनीक क सीधा हस्तांतरण करि सकै। एकर संभावनाएं ताकल जा रहल अछि। राबर्ट कहला जे अमेरिका बिहार मे भ रहल बदलाव पर नजरि रखने अछि। बिहारक प्रति अमेरिकी नजरि क प्रभाव अछि जे अमेरिकी अधिकारी लगातार राज्य मे दौरा करि रहल छथि। ओ कहला जे अमेरिका पोलियो उन्मूलन, टेक्नोलोजी ट्रांसफर, स्वास्थ्य, शिक्षा, कृषि आदि क्षेत्र मे सेहो बिहार क मदद करत। दू दिवसीय दौरा पर बिहार आयल ब्लेक नेता प्रतिपक्ष अब्दुल बारी सिद्दीकी स सेहो भेंट केलथि । तत्पश्चात संवाददाता सम्मेलन मे ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार क आधारभूत संरचना निर्माण, अपराध आ भ्रष्टाचार कम करबा आओर एकटा सक्षम प्रशासन देबाक प्रयास क सराहना केलथि। ओ कहला जे उच्च शिक्षा क क्षेत्र मे बेहतर सहयोग लेल अक्टूबर मे अमेरिका मे इंडो-यूएस समिट क आयोजन होएत। ओ कहला जे बिहार मे जेतबा संभावना अछि ओतबा संभावना भारत आन राज्य मे देखबा मे कम भेटैत अछि। ओ बिहारक लोक कए विशेष रूप से सराहना केलथि।