पटना। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहला अछि जे बिहार मे निवेश करैवाला कए दस साल तक टैक्स मे छूट देल जाइत। निर्माण, खाद्य प्रसंस्करण आ औषधीय पौधा क खेती मे निवेश करैवाला कए एकर अतिरिक्त सेहो कई आकर्षक पैकेज देल जा रहल अछि। ओ इ घोषणा एसोसिएटेड चैंबर्स आफ कामर्स एंड इंडस्ट्रीज आफ इंडिया (एसोचैम) क अध्यक्ष डॉ स्वाती पीरामल स भेंट क दौरनन केलथि। इ मुलाकात मुख्यमंत्री क सरकारी आवास पर भेल। डॉ पीरामल मुख्यमंत्री कए एसोचैम द्वारा तैयार दस्तावेज बिहार विजन 2020 क प्रति सौंपलथि। ओ उद्योग जगत क समक्ष चुनौती क बारे मे सेहो मुख्यमंत्री स चर्चा केलथि। कुमार औद्योगिक विकास क लेल उठाउल जा रहल कदम क जानकारी हुनका देलथि। एसोचैम क निदेशक (जनसंपर्क) कोटेश्वर प्रसाद ढोभाल कहलथि जे मुख्यमंत्री औद्योगिक विकास क रणनीति पर मुलाकात क दौरान विस्तार स चर्चा केलथि।