पटना। मोबाइल फोन जेकां आब बिहार मे शीघ्र अहां बिजली मीटर सेहो चार्ज कए सकैत छी आ चार्ज खत्म भेला पर स्वत: अहांक घर मे बिजली आपूर्ति बंद भ जाएत। किछु एहने तकनीक लागू करबा लेल बिजली बोर्ड विचार करि रहल अछि। इ तकनीक एखन भारत मे कतहु लागू नहि अछि, मुदा विदेश मे कई ठाम सफलतापूर्वक चलि रहल अछि। बिजली बोर्ड एहन व्यवस्था बिहार मे लागू करबा लेल विचार विमर्श शुरू करि देलक अछि आ एहि संबंध मे जानकारी जुटा रहल अछि। सूत्रक कहब अछि जे एहि प्रकारक मीटर लगलाक बाद ग्राहक अपन जरूरतक अनुसार बिजली क मीटर चार्ज करताह आ टका समाप्त भेला पर स्वत: हुनकर आपूर्ति बंद भ जाएत। एहि व्यवस्था स मीटर रीडिंग सन काज स बोर्ड कए मुक्ति भेट जाएत। आ आम लोक कए सेहो इच्छा अनुसार बिजली कीनबाक छूट रहत। एकर संगहि बिजली बिल भुगतान मे सेहो आम लोक कए सुविधा भेटत।
एहि संबंध में बोर्ड पदाधिकारी एखन कोनो आधिकारिक बयान नहि द रहल अछि, मुदा इ कहैत छथि जे बिहार राज्य बिजली बोर्ड क बंटबारा क बाद धीरे धीरे एकर कार्य प्रणाली मे बदलाव देखबा मे भेटत। बिजली क्षेत्र मे सब तरहक नव तकनीक ताकल जा रहल अछि। बिहार राज्य विद्युत बोर्ड मुख्यालय मे कोलकाता क एकटा कंपनी नव तकनीकक प्रेजेंटेशन देलक अछि। एहि स पता चलल जे पावर सब स्टेशन मे मैन पावर क आब कोनो जरूरत नहि अछि। सबटा स्काडा स नियंत्रण कैल जा सकैत अछि। बिहारक अभियंता एहि नव तकनीक देखकए हतप्रभ छथि।
एहि तकनीक अनुसार ट्रांसफार्मर क ऊपर ग्यारह केवी आ एलटी लाइन क अलग-अलग फ्यूज कए एकटा बाक्स मे लगेबाक तकनीक क जानकारी देल गेल। एहि स ट्रांसफार्मर सेहो खूबसूरत लागत। ब्रेकर कए पावर सब स्टेशन मे जमीन पर लगेबा स नीक पोल पर लगायब रहत, डिस्ट्रीब्यूशन लाइन मे यंत्र लगेबा स, इ यंत्र जानकारी देत जे केतबा दूर पर खराबी भेल अछि। एकटा यंत्र एहन अछि जे दोष उत्पन्न भेला पर दोष वाला क्षेत्र मे अपने आप बिजली आपूर्ति बंद करि देत आ अन्य हिस्सा मे आपूर्ति जारी रहत। इ प्रेजेंटेशन आफ डिस्ट्रीब्यूशन मनेजमेंट सिस्टम ओवहेड नेटवर्क विषय पर छल। कार्यक्रम मे बोर्ड अध्यक्ष प्रभात राय, सदस्य संचरण टीटी झा, सदस्य उत्पादन ललन प्रसाद, पेसू महाप्रबंधक एसकेपी सिंह, अधीक्षण अभियंता जेपीएन सिंह, सुनील कुमार श्रीवास्तव आदि भाग लेलथि।
hamar dikat e achi ki hamra gaon me pichala 35 baras sa bijli ke subidha achi parantu pichala 20 baras sa bijli katal achi rajiv gandhi yojna ke taraf sa khambha lagal gel parantu bijli aae tak nahi bhetal jahi sa siksha par prabhav paral helth par parbahv paral hamar sikayat ke aagu bejake kosish karbai apne ke bahut upkar houat dhanaibad