पटना । राज्य कैबिनेट उच्च जाति कए आर्थिक आ शैक्षणिक स्थिति क अध्ययन करि ओकर उत्थान क लेल सवर्ण आयोग गठित करबाक फैसला लेलक अछि। विधानसभा चुनावक दौरान नीतीश कुमार लोक स एहि आयोगक गठनक बादा केने छलाह।
एकर अतिरिक्त विधानमंडल क बजट सत्र 22 फरवरी स 30 मार्च तक बजेबाक निर्णय लेल गेल। मधेपुरा जिला मे राजकीय पॉलिटेक्निक क स्थापना लेल 26.43 करोड़ टका सेहो मंजूर कैल गेल।
बैठक क बाद कैबिनेट सचिव अफजल अमानुल्लाह कहला जे सवर्ण आयोग आर्थिक आ शैक्षणिक रूप स कमजोर लोकक स्थिति क अध्ययन करत आओर ओकर स्थिति मे सुधार क लेल सरकार कए अनुशंसा करत। आयोग क एकटा अध्यक्ष आ चारिटा सदस्य होएत।
एकरा संगहि कैबिनेट इंदिरा गांधी हृदय रोग संस्थान, पटना कए पीजी डिग्री वाला डॉक्टर क बिहार राज्य चिकित्सा शिक्षा सेवा क तर्ज पर सेवानिवृत्ति क उम्र सीमा 62 वर्ष स बढ़ा कए 65 वर्ष करि देलक। एहि फैसला स संस्थान क 37टा डॉक्टर कए तत्काल राहत भेटल।
बिहार प्रशासनिक सेवा क अपर सचिव स्तर क 22टा अधिकारी कए सेहो विशेष सचिव मे प्रोन्नत करि देल गेल। एहिमें सातटा अधिकारी सुरेंद्र प्रसाद सिन्हा, कमलेश्वर गिरि, अनिल कुमार वर्मा, अर्जुन प्रसाद, लक्ष्मेश्वर झा, हेमचंद्र प्रसाद आ रामचंद्र पासवान कए विशेष सचिव क रूप मे तुरंत तैनात कैल जाएत। ओतहि, 15टा अन्य अधिकारी कए तैनाती लेल तैयार कैल गेल पैनल कए स्वीकृति देल गेल अछि। एहि अधिकारी सब लेल पद आरक्षित रहत, जिनका प्रोन्नति क पैनल मे राखल गेल अछि, ओहि मे वीरेंद्र कुमार सिंह, परमानंद झा, राम बाबू सिंह, धर्मेश्वर ठाकुर, वीरेंद्र कुमार, विजय कुमार सिंह, राम कुमार पांडेय, शरद चंद्र झा, उपेंद्र कुमार वर्मा, राघवेंद्र झा, उपेंद्र कुमार, महेश्वर पासवान, देवेंद्र प्रसाद आ रामाशीष पासवान छथि।