पटना । अगिला वित्त वर्ष मे बिहार क योजना आकार कए लकए बिहार सरकार आ योजना आयोग क बीच जबरदस्त खींचतान चलि रहल अछि। दरअसल, आयोग अगिला वित्त वर्ष मे राज्य क योजना आकार कए मौजूदा वित्त वर्ष स छोट करबा लेल कहि रहल अछि, जखनकि राज्य सरकार एहि मे 10-20 फीसदी क इजाफा करबा लेल जी-जान लगा देने अछि।
राज्य सरकार क सूत्र कहैत अछि जे राज्य सरकार योजना आयोग क समक्ष अपन प्रस्ताव पेश केने छल। एकर जवाब मे भेटल नोट मे आयोग कहलक अछि जे अगिला वित्त वर्ष क योजना आकार कए 18,800 करोड़ टका तक सीमित राखल जाए। मौजूदा वित्त वर्ष मे राज्य क योजना आकार 20 हजार करोड़ टका अछि। आयोग क सूत्र क कहब अछि जे एखन किछु तय तय नहि भेल अछि। हम राज्य सरकार स कहि रहल छी जे पहिने देल राशि क इस्तेमाल हेबाक चाही, ओकर बाद एहि मे इजाफा सेहो कैल जा सकैत अछि। हालांकि, एहि पर हमर गप एखन चलि रहल अछि।
राज्य क वित्त विभाग क प्रधान सचिव रामेश्वर सिंह क कहब अछि जे दरअसल, इ पूरा मामला मिस कैलकुलेशन क अछि। आयोग क दिस स हमर स्रोत आ खर्च क बारे मे जानकारी कए जोडबा-घटेबा मे गड़बड़ी भेल अछि। हम एहि बारे मे आयोग कए पत्र सेहो लिख रहल छी। उम्मीद अछि योजना आकार कम स कम 22-24 हजार करोड़ टकाक बीच होएत।
दोसर दिस, राज्य क योजना विभाग क प्रधान सचिव विजय प्रकाश कहला अछि जे विकास कार्य मे खर्च करबा मे कोनो कोताही नहि कैल जा रहल अछि। ओनाओ एखन केंद्र सरकार क अपन बजट त तैयार नहि भ सकल अछि। एहि लेल इ शुरुआती स्तर क गप छी। आगू ठीक भ जाएत।