नई दिल्ली। भ्रष्टाचार क मुद्दा पर चौतरफा पड़ि रहल दबाव क बीच आंतरिक सुरक्षा पर भेल मुख्यमंत्रीक सम्मेलन में सेहो केंद्र सरकार एहि विषय स नहि सकल। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार प्रधानमंत्री क मौजूदगी मे भ्रष्टाचार आ महंगाई कए आंतरिक सुरक्षा क लेल पैघ खतरा बतेलाह, मुदा गृहमंत्री चिदंबरम कहला जे नीतीश क गप निराधार अछि आ एहन कोनो ममला देशक सामने नहि अछि। एहि स पूर्व नीतीश विभिन्न स्तर पर सुरक्षा क बाबत बिहार क जरूरत गिनेलाह। अपन भाषण क शुरुआत मे ओ अपन उपलब्धि गिना तुरंत केंद्र क नीति पर सवाल उठा देलाह। ओ कहला जे अपराध आ हिंसक घटना स निपटी लेब पर्याप्त नहि अछि। लोकशांति सार्वजनिक राय स सेहो प्रभावित होइत अछि। पैघ पैमाना पर फैल रहल भ्रष्टाचार आ अनियंत्रित मुद्रास्फीति हमर आंतरिक सुरक्षा क लेल गंभीर चिंता क विषय अछि। लोकक विश्वास कए बना कए राखबा लेल प्रभावी कार्रवाई हेबाक चाही। नीतीश एलडब्ल्यूई (लेफ्ट विंग एक्सट्रीमिज्म) योजना क तहत बनाउल गेल सड़क पर व्यय राशि राज्य कए भेटबाक चाही, केंद्रीय पुलिस बल क कंपनीक संख्या बढेबाक चाही , आईपीएस अधिकारीक रिक्त पद पर तत्काल नियुक्ति सन बिहार क कईटा आवश्यकता गिनेलथि। ओ कहला जे बिहार सरकार 95टा सड़क कए एलडब्ल्यूई योजना मे शामिल करबाक अनुरोध केने छल, मुदा 40टा सड़क क प्रस्ताव कए रदद करि देल गेल। आईपीएस क सीधा नियुक्ति क लेल 161 स्वीकृत बल मे 41 पद रिक्त अछि। पुलिस आधुनिकीकरण क केंद्रीय योजना क अंतर्गत कीनल जा रहल आधुनिक संयंत्र क खरीद मे सेहो ओ सुझाव देलथि। ओ कहला जे आयातित सामान क खरीद मे राज्य कए परेशानी होइत अछि। अतः केंद्र कए एकर केंद्रीयकृत खरीददारी करबाक चाही।