• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मधेपुरा रेल इंजन कारखाना क नहि खुलल टेंडर, परियोजना अधर मे!

July 16, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

नई दिल्ली। मधेपुरा इलेक्ट्रिक लोकोमोटिव परियोजना क लेल बोली शुक्रदिन खुलबाक छल। मुदा भारतीय रेलवे बिहार क मधेपुरा परियोजना लेल खोलल जाए बावा बोली कए अनिश्चित काल लेल टाल देलक अछि। आठ-आठ बेर दूनू परियोजना लेल बोली खोलबाक तिथि पहिने बढ़ाउल जा चुकल अछि। डीजल इंजन परियोजना लेल आब 29 जुलाई क तिथि तय कैल गेल अछि। इ परियोजना निजी क्षेत्र क संग मिलकए सार्वजनिक-निजी हिस्सेदारी (पीपीपी) मॉडल पर इलेक्ट्रिक इंजन बनेबा लेल स्थापित कैल जेबाक अछि। एकटा उच्च स्तरीय समिति क सिफारिश क बाद एकरा निजी क्षेत्र क सहयोग क संग शुरू करबाक फैसला लेल गेल अछि, जेकरा लेल किछु उच्च पद क लेल नियुक्ति क बारे मे सेहो फैसला कैल जा चुकल अछि। बोली टालबा स रेलवे संयंत्र लगबा मे एक बेर फेर देरी हेबाक आशंका प्रबल भ गेल अछि। दोसर दिस बिहारक मरहोरा डीजल इंजन परियोजना लेल सेहो अगिला सप्‍ताह बोली खोलबाक तिथि निर्धारित अछि, आजुक स्थिति मे 29 जुलाई कए सेहो बोली टलबाक आशंका देखा रहल अछि। एहि प्रकार स रेल मंत्रालय क राजस्व अर्जन आओर क्षमता विस्तार करबाक योजना खटाई मे पडि गेल अछि। ओना रेलवे बोर्ड क एकटा वरिष्ठ अधिकारी क कहब अछि- हम नव सदस्य (इलेक्ट्रिकल) क एबाक बाट ताकि रहल छी। संगहि एखन पीपीपी परियोजना पर बनल समिति क अंतिम सिफारिश एबाक बाकी अछि।
ज्ञात हुए जे रेलवे बोर्ड क 6 सदस्‍य मे स 2टा सदस्‍य क पद खाली अछि, किया कि 30 जून कए सदस्य (इलेक्ट्रिकल) सुदेश कुमार आओर सदस्य (स्टाफ) वीएन त्रिपाठी सेवानिवृत्त भ गेलाह। रेलवे, वित्त आओर कानून मंत्रालय क उच्च अधिकारी क एकटा अधिकार प्राप्त समिति आ योजना आयोग क बैठक 21 जून कए दोसर बेर भेल छल, जाहि मे मधेपुरा आ मरहोरा मे प्रस्‍तावित संयंत्र क पीपीपी मॉडल क बारे मे सिफारिश भेल छल।
इ-समाद अपने लोकनि कए पहिने बता चुकल अछि जे इलेक्ट्रिक इंजन संयंत्रक ठेका लेबाक दौड़ मे 4टा कंपनी शामिल छल, जाहि मे जनरल इलेक्ट्रिक (जीई), एल्सटन एसए, बम्बॉर्डियर इंक आ सीमेंस एजी शामिल अछि। रेल मंत्रालय आओर वित्त मंत्रालय क बीच कंपनी द्वारा तैयार कैल गेल इंजन क दाम क मसला पर मतभेद क संबंध मे  रेलवे अधिकारी कहला- कुल मिलाकए कोनो वैचारिक मतभेद नहि अछि। वित्त मंत्रालय क सदस्य किछु मसला उठेलथि अछि, जाहि पर रेलवे अपन विचार द देलक अछि।
सब किछु तय रहबाक बावजूद रेलवे मंत्रालय क लुंज-पुंज व्‍यवस्‍थाक कारण एहि दूनू परियोजना पर गप आगू नहि बढि रहल अछि। एकटा कारण आओर अछि जे साफ अछि। इंजन संयंत्रक दूनू परियोजना क घोषणा तत्कालीन रेलमंत्री लालू प्रसाद 2007 मे केने छलाह। एकरा पहिने रेल मंत्रालय अपन दम पर बनेबाक गप कहने छल, बाद मे एकरा पीपीपी परियोजना मे बदलि देल गेल, जाहि मे रेलवे क हिस्सेदारी महज 26 प्रतिशत राखल गेल। बिजली वाला 800 इंजन आओर 1000 डीजल इंजन बनेबाक ठेकाक कुल अनुमानित लागत करीब 1300 करोड़ डॉलर अनुमानित अछि।

Tags: कारखानाबिहारमधेपुरारेलवे

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

गामक जिनगी, कथा संग्रह लेल जगदीश प्रसाद मण्डल कए समानान्तर साहित्य अकादेमी पुरस्कार

बोल बम, बोल बम, बोल बम

Esamaad Epaper Website

नव सिरा स बनत छहटा सड़क

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि