मुंबई। महाराष्ट्र नवनिर्माण सेना क प्रमुख राज ठाकरे एक बेर फेर कांग्रेस क शह पर गीदरभवकी देलथि अछि जे ओ मुंबई मे बिहार स्थापना समारोह नहि हुए देताह। दोसर दिस मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मुंबई मे दहाडबा लेल तैयार छथि। मनसे प्रमुख राज ठाकरे एकटा निजी चैनल पर बचलाह अछि जे ओ मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कए चुनौती देलथि अछि जे ओ 15 अप्रैल कए बिहार दिवस कार्यक्रम मे मुंबई आयोजित क देखा दथि। ओ कहला जे ओ मुंबई मे नीतीशक इ कार्यक्रम नहि हुए देताह। गौरतलब अछि जे 15 अप्रैल कए मुंबई मे बिहार स्थापना दिवस कार्यक्रम हेबाक अछि जाहि मे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार सेहो भाग लेताह। एहि कार्यक्रम कए रोकबा लेल मनसे अपन पूरा दम लगा देने अछि। ओना नीतीश कुमार राज ठाकरे सन नेता कए प्रति उत्तर बिहार स देबा लेल तैयार नहि छथि हुनक कहब अछि जे हुनका जे कहबाक अछि ओ मुंबई जा कहताह। नीतीश पहिनो कहि चुकल छथि जे ओ मुंबई जा रहल छथि आ ओहि ठाम जेबा लेल कोनो ठाकरे स मंजूरी लेबाक जरूरत नहि अछि। नीतीश कहला जे ओ भारत क नागरिक छथि आ देश मे कतहु जेबा लेल ओ स्वतंत्र छथि। दोसर दिस अपने इनार कए समुद्र बुझनिहार एमएनएस एकरा चुनौती क रूप मे लेलक अछि। राज ठाकरे क कहब अछि जे नीतीश क बयान आपत्तिजनक अछि। हुनका मुंबई मे महाराष्ट्र क संस्कृति क अपमान करबाक इजाजत नहि देल जा सकैत अछि। राज ठाकरे कहलक अछि जे जखन नीतीश कुमार महाराष्ट्र क अस्मिता कए चुनौती दैत छथि त ओ 15 अप्रैल कए मुंबई आबि कए देखा दथि। दोसर दिस एहि कार्यक्रम स जुडल लोकक कहब अछि जे राज ठाकरे मानसिक रूप स बीमार लोक छथि आ हुनका सब चीज मे आपत्ति देखा जाइत छैन। ओना किछु लोक क इ सेहो कहब अछि जे राज त मुखैटा अछि असली खेल त कांग्रेस खेला रहल अछि। एहि मत क लोक आशंका जता रहल छथि जे कांग्रेस अपन फायदा लेल राज क उपयोग करैत रहल अछि। ओना कानून व्यवस्थाक नाम पर नीतीशक कार्यक्रम रद्द करब कांग्रेस सरकार लेल सेहो मुश्किल होएत। ताहि लेल मनसे एखन मात्र गीदरभवकी द रहल अछि।
 
			 
		    



 
                                


