• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मिथिला फेर खोलत बिहार मे सत्ता क दुहारि

October 13, 2010
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। बिहार विधानसभा चुनाव क पहिल चरण क 47टा सीट क लेल 21 अक्टूबर कए मतदान हेबाक अछि। एहि दौरान सबटा राजनीतिक दल मतदाता कए आकर्षित करबा लेल अपन पूरा ताकत झोंक देलथि अछि। पहिल आ दोसर चरण क सीट मिथिला क्षेत्र क अछि। राजनीतिक विशेषज्ञ क कहब अछि जे इ इलाका हरदम सत्ताक संग रहल अछि, मुदा ओहि ठामक लोक क मानब अछि जे ओ जेकरा चुनैत छथि सत्ता ओकरे भेटैत अछि। एक बेर फेर मिथिला क लोक सत्ता क दुहारि खोलबा लेल तैयार अछि। एहि क्षेत्र मे अधिकतर सीट पर सतारूढ़ भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) आ जनता दल (यूनाइटेड) गठबंधन क कब्जा अछि। एहि सीट पर कब्जा जमा कए राखब राजग क कोशिश रहत। ओतहि राजग क वोट बैंक मे सेंध लगाकए अपन पुरान जनाधार कए हासिल करब राष्ट्रीय जनता दल (राजद), लोक जनशक्ति पार्टी (लोजपा) आ कांग्रेसक मुख्य चुनौती होएत। परिसीमन क बाद भ रहल एहि पहिल चुनाव मे मधुबनी क एकटा सीट मधेपुर क अस्तित्व समाप्त भ गेल अछि। जाहि पर राजदक कब्जा छल। मधुबनी जिला मे एकटा विधानसभा क्षेत्र कम भ गेल अछि। पहिल चरण मे चाहि सीट लेल मतदान होएत ओहि मे स पिछला चुनाव मे भाजपा आ जद (यू) गठबंधन क प्रत्याशी 28टा सीट पर विजयी भेल छलाह, जखकि राजद कए मात्र पांचटा सीट भेटल छल। जाहि मे स मधेपुर एहि बेर नहि अछि। ओतहि रूपौली विधानसभा क्षेत्र स विजयी राजद विधायक बीमा भारती एहि बेर जद (यू) क सदस्य छथि। एकर अलावा पूर्व सांसद तस्लीमुद्दीन क पुत्र सरफराज सेहो जद (यू) क टिकट पर भाग्य आजमा रहल छथि। एहि प्रकारे राजद क कब्जा वाला पांचटा सीट मे स एकटा समाप्त भ चुकल अछि, ओतहि राजद क दूटा विधायक पाला बदलिकए जद (यू) क दामन थामि लेने छथि। प्रथम चरण क चारिटा सीट – मनिहारी, सिमरी बख्तियारपुर, अमौर आ कोढ़ा पर कांग्रेस क कब्जा अछि। अपन सीट बचेबाक कांग्रेस क लेल सेहो चुनौती अछि। जानकार क कहब अछि जे मधुबनी जिला मे पहिने कांग्रेस क काफी मजबूत जनाधार छल। मैथिल बाह्मण क वर्चस्व वाला एहि जिला मे अधिकतम सीट कांग्रेस क झोली मे जाइत छल, मुदा 1990 क बाद स्थिति बदलि गेल आओर इ जिला राजदक गढ भ गेल। आइ स्थिति इ अछि जे एहि जिला मे कांग्रेस क कब्जा मे एकटा सीट नहि अछि। एहि चुनाव मे हालांकि कांग्रेस सब सीट पर अपन प्रत्याशी उतारलक अछि। प्रथम चरण क चुनाव मे सरकार क मंत्री विजेंद्र प्रसाद यादव, रेणु कुमारी, रामजी दास ऋषिदेव, पूर्व मंत्री नीतिश मिश्र, पूर्व सांसद आनंद मोहन क पत्नी लवली आनंद, बाहुबली सांसद पप्पू यादव क पत्नी रंजीता रंजन, कांग्रेस क प्रदेश अध्यक्ष महबूब अली कैसर, लेसी सिंह जइसन लोक क किस्मत दांव पर रहत, ओतहि राजनीतिक दल कए अपन-अपन गढ़ बचेबा क चुनौती रहत। राजनीतिक विश्लेषक हालांकि मानैत छथि जे परिस्थिति बदलल अछि। सब सीट पर कांग्रेस क प्रत्याशी एबा स जद (यू) एहि बेर अति पिछ़डा, पिछ़डा, महादलित, मुस्लिम आ सवर्ण वोट पर अपन लक्ष्य बनेने अछि। कोसी क इलाका जद (यू) क राष्ट्रीय अध्यक्ष शरद यादव क प्रभाव वाला क्षेत्र अछि। एहि क्षेत्र मे पिछला चुनाव मे जद (यू) कए भारी सफलता भेटल छल। राजद सेहो एहि ठाम माई समीकरण कए फेर जिंदा करबा मे लागल अछि। ज्ञात हुए जे मधुबनी, अररिया, सुपौल, किशनगंज, पूर्णिया, कटिहार, सहरसा आ मधेपुरा जिला क 47टा सीट पर पहिल चरण क तहत 21 अक्टूबर कए मतदान होएत। उल्लेखनीय अछि जे बिहार विधानसभा क 243 सीट क लेल छह चरण मे 21 अक्टूबर स 20 नवंबर तक मतदान हेबाक अछि। सब सीट क लेल मतगणना 24 नवंबर कए होएत।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post

हम जे केलहूं सबहक सामने अछि: मोदी

अतीत क गलती स सबक लेलहुं अछि: पासवान

विकासक मुद्दा भटका रहल छथि राहुल: शाहनवाज

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि