दरभंगा। मिथिलाक भोजन करबाक मौका सब चाहैत अछि। राष्ट्रपति प्रतिभा देवी सिंह पाटिल सेहो एहि मौका कए हाथ स नहि जाए देलथि। लनाविवि मुख्यालय मे 21 मार्च कए दीक्षांत समारोह क बाद ओ मिथिलाक भोजन सेहो करतथि। एकर सहमति ओ कुलपति कए द देलथि अछि। प्रभारी कुलसचिव डा. विजय प्रसाद सिंह एकर पुष्टि केलथि अछि। लनामिवि क इतिहास मे इ पहिल मौका होएत जखन देश क कोनो राष्ट्रपति एहि ठाम भोजन करतथि। जखन कि जाहि ठाम प्रतिभा पाटिलक थारी सजाउल जाएत ओहि ठाम महात्मा गांधी सहित भारतक कईटा प्रधानमंत्री आ राष्ट्रपति भोजन करि चुकल छथि। ओना 2005 मे दीक्षांत समारोह मे भाग लेबा लेल दरभंगा आयल तत्कालीन राष्ट्रपति एपीजे अब्दुल कलाम मिथिलाक भोजनक स्वाद चखबा स चूकि गेल छलाह आ ओ हल्का फुल्का चाय नाश्ता लेलाक बाद लौट गेल छलाह।
एहन मे राष्ट्रपति प्रतिभा देवी सिंह पाटिल क भोजन करबाक इच्छा जतेलाक बाद दरभंगा मे हुनका लेल मेनू पर विशेष तैयारी शुरू करि देल गेल अछि। प्रारंभिक सूचनाक अनुसार प्रतिभा ताइ लेल मिथिलाक लगभग सबटा विशेष व्यंजन तैयार कैल जाएत। जेकरा लेल सूची तैयार करबा मे होम सांइस विभाग सक्रिय भ गेल अछि। ओना एखन धरि भोजनक जिम्मा कौन होटल कए देल जाए एहि पर कोनो निर्णय नहि लेल जा सकल अछि। कहल जा रहल अछि जे इ जिम्मा कोनो स्थानीय स्तर पर सेहो देल जा सकैत अछि या फेर पटनाक कोनो होटल कए इ जिम्मा सौंपल जा सकेत अछि। दोसर दिस कार्यक्रम कए लकए चार तारीख कए जिला क आलाधिकारी समेत अन्य पदाधिकारी दीक्षांत समारोह स्थल क मुआयना करतथि। दोसर दिस कार्यक्रम कए लकए चार तारीख कए जिला क आलाधिकारी समेत अन्य पदाधिकारी दीक्षांत समारोह स्थल क मुआयना करतथि।