• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

मैथिली मे छपल नेताजी क जिनगी

November 15, 2011
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। नेताजी सुभाष चंद्र बोसक आत्‍मकथाक मैथिली अनुवाद पटना मे लोकार्पित भेल। एहि अवसर पर विधान परिषद सभापति पंडित ताराकांत झा कहला जे ओ एहि किताब कए अनुवाद कहब मुश्किल अछि। एहि मे मौलिकताक खुशबू विद्यमान अछि। पटनाक गांधी संग्रहालय मे स्‍व अंबिका नाथ मिश्र द्वारा लिखित ”एक भारतीय यात्री” नामक एहि किताब कए लोकार्पित करैत पं झा कहला जे नेताजी सन लोकक जिनगी आम लोक लेल उपलब्‍ध होएब एकटा पैघ गप अछि। ओ कहला जे मैथिली कए समाप्‍त करब असंभव अछि। एकर सतत विकास भ रहल अछि आ नव नव विधा मे सेहो एकर पहुंच तेजी स देखल जा रहल अछि। पं झा कहला जे इ दुखद अछि जे आजुक लोक लग इ जानकारी नहि अछि जे 1700- 1800 ई क आसपास अदालतक कार्रवाही सेहो मैथिली मे लिखल जाइत छल। ओ कहला जे इतिहास हमरा बहुत किछु बतबैत अछि आ नेताजी सन लोकक बारे मे पढब हरदम किछु सिखबाक मौका दैत अछि। ओ प्रकाशक स अनुरोध केलथि जे 1921-22 क बाद क जीवनी सेहो किताबक रूप मे प्रकाशित हेबाक चाही। ज्ञात हुए जे इ पुस्‍तक नेताजीक 1922 तक क जीवनी पर आधारित अछि। एहि अवसर पर विधासभाक अध्‍यक्ष उदय नारायण चौधरी कहला जे अगर आजाद भारत कए किछु दिन लेल नेता जी क सेवा भेट गेल रहिते त आइ भारतक प्रशासनिक ढांचा किछु आर रहिते। एहि अवसर पर मैथिलीक विद्वान गोविंद झा सेहो अपन राय रखलथि। कार्यक्रम मे छत्रानंद सिंह झा”बटुक भाई”, रामानंद झा रमन समेत कईटा लोक शामिल छलाह। मंच संचालन लेखकक पुत्र आ प्रकाशक निर्भय मिश्र केलथि। इ पुस्‍तक एखन पटनाक बाजार मे उपलब्‍ध अछि।

Tags: Biharmaithilipatna

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

मैथिली मे द सकब मेडिकल परीक्षा !

मिथिलाक विकास आ "ईस्ट-वेस्ट कॉरिडोर"

Esamaad Epaper Website

प्रीमियम पर बनत मुजफ्फरपुर-बरौनी फोर लेन

Comments 3

  1. Dr. Shashidhar Kumar says:
    14 years ago

    ई पोस्ट आन कम्युनिटी सभ पर शेयर नहि भऽ रहल अछि ।

    Reply
  2. Pankaj Kumar Jha says:
    14 years ago

    इतिहास हमरा इ सिख्बैत अछि जे हम सब इतिहास सं किछु नै सीखैत छि..ओना निक समाद भेटल…बहुत धन्यवाद..!!

    Reply
  3. atuleshwar jha says:
    14 years ago

    धन्यवाद निर्भय भायकें जे कमला परिसरक ई काज जे बहुत पहिने भेल छल ओ प्रकाशित भेल। आब पाठक लोकनिक कर्त्तव्य अछि जे एहि पोथीकें अपन घर आनी आ पढ़ि ।

    Reply

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि