• मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क
Esamaad
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक
No Result
View All Result
Esamaad

राष्ट्रीय औसत स आधो नहि अछि बिहारक सीडी रेशियो

February 23, 2012
in समाचार
A A

दोसरसमाचार

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020

पटना। वित्‍तमंत्री सुशील मोदी बुधदिन जे बिहारक आर्थिक सर्वे रिपोर्ट विधानसभा मे पेश केलथि अछि ओ इ साबित करैत अछि जे एखनो बिहार देश संग कदमताल करबा लेल तैयार नहि भ सकल अछि। कोनो राज्‍यक विश्‍वासक मानक तय करबा मे सीडी रेशियो क बड महत्व अछि। सीडी रेशियो यानी बैंकों मे प्रदेश क लोक क जमा कराउल गेल राशि क विरुद्ध बैंक द्वारा देल गेल कर्ज। राष्ट्रीय औसत 75 फीसदी क अछि मुदा बिहार मे वृद्धि क बावजूद 34 फीसदी पर सिमटल अछि। अर्थात जखन बिहारी 100टका बैंक मे जमा करैत अछि त ओकरा महज 34टका कर्ज क रूप मे भेटैत अछि। जखन कि सीडी रेशियो तुमिलनाडु मे 114 फीसदी, राजस्थान मे 90 फीसदी, महाराष्ट्र मे 81 फीसदी, प.बंगाल मे 64 फीसदी आओर मध्य प्रदेश मे 60 फीसदी अछि। एहन गप नहि अछि जे बिहार मे लोक बैंक मे टका नहि राखि रहल अछि। सितम्बर 2011 मे बिहार क सबटा बैंक शाखा क कुल जमा 122934 करोड़ छल, जखनकि ऋण मात्र 43003 करोड़। आखिर बिहार मे जमा टका कोन राज्‍यक विकास मे लागि रहल अछि। वर्तमान आंकडा बैंकक बिहार संग व्‍यवहार कए सेहो देखार क रहल अछि। वर्तमान रेशियो 1990 क दशक क उदारीकरण क आरंभिक वर्ष स सेहो काफी कम अछि। तखन सीडी रेशियो 40 फीसदी छल। जखन नीतीश सरकार आ पूरा देश इ दावा क रहल अछि जे बिहार मे विकास भ रहल अछि आ बिहार निवेश लेल सुरक्षित जमीन अछि त फेर बैंक आखिर बिहार पर विश्‍वास किया नहि करि रहल अछि। बिहार मे बैंकक शाखा दूनू हाथ स टका बटोरि रहल अछि मुदा कर्ज देबा काल हाथ खोलबा परहेज कैल जा रहल अछि। आंकडा कहैत अछि जे मार्च 2011 क अंत मे व्यावसायिक बैंक क कुल 4348 शाखा मे 56.2 फीसदी ग्रामीण क्षेत्र मे छल। एहि अवधि मे प्रदेश मे क्षेत्रीय ग्रामीण बैंक क 1537 शाखा छल। ग्रामीण बैंक मे 2007 मे कुल जमा राशि 7210 करोड़ क करीब छल। 2011 मे इ बढिकए 13735 करोड़ स बेसी भ गेल। बिहार मे अनुसूचित व्यावसायिक बैंक मे कुल जमा राशि 2010-11 मे पिछला साल क मुकाबला मे 17700 करोड़ टका बढल अछि। एकर बावजूद बैंक कर्ज देबा स भागि रहल अछि आ बिहारक शाखा मे जमा राशि स आन राज्‍य मे हाथ खोली कए कर्ज बांटल जा रहल अछि।

Tags: Bihar

Related Posts

Maithili in Primary Education, Bihar, Mithila, Maithil, Twitter Trend, Maithili ki Padhai, Bihar me Maithili,

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

January 5, 2021

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

December 26, 2020

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

December 26, 2020
होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

December 24, 2020
हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

December 20, 2020
फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

December 19, 2020
Next Post
Esamaad Epaper Website

बिहारक छवि बिगाडि रहल अछि केंद्र

Esamaad Epaper Website

बिहार मे बनत ऐस्ट्रो पर्यटन सर्किट

Esamaad Epaper Website

बिहार मे 78686 करोड़ क बजट पेश

Leave a Reply Cancel reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *

टटका समाचार

साहित्य समाद – समटल प्रकाश

प्राथमिक शि‍क्षा मे मैथि‍ली भाषाकेँ पढ़ाई लेल चलाओल गेल ट्वीटर ट्रेंड : भारत संगे नेपालक मैथिल लेलनि हिस्सा

सात जिला मे बनत बहुउद्देशीय इंडोर स्‍टेडि‍यम, सिंथेटिक एथलेटिक ट्रेक आ स्विमिंग पुल, केंद्र देलक 50 करोड़

एम्स मे शिफ्ट होयत डीएमसीएच क सामान, मार्च मे होएत उद्घाटन, नव सत्र स पढाई

होटल मैनेजमेंट क पढ़ाई करती बालिका गृह क 16 बालिका लोकनि, 29 कए जायतीह बेंगलुरु

हेलीकॉप्टर स आब वैशाली आबि जा सकता सैलानी, पर्यटन विभाग बना रहल अछि कॉमर्शियल हेलीपैड

फेर स शुरू होएत पंजी सूत्रक पढाई, कामेश्वर सिंह संस्कृत विश्वविद्यालय शुरू करत डिप्लोमा कोर्स, genetic relations पर होएत शोध

बिहारक पंचायत क वित्‍तीय स्थिति मे भेल सुधार, पहिल बेर भेटत एक हजार करोड़ तकक उपयोगिता प्रमाण पत्र

आइटीआइ छात्र कए नौकरी देबा लेल 200 कंपनी आउत बिहार, मार्च तक तैयार होएत डेटाबेस

बेसी पढ़ल गेल

No Content Available

सर्वाधिकार सुरक्षित। इसमाद डॉट कॉम मे प्रकाशित सभटा रचना आ आर्काइवक सर्वाधिकार रचनाकार आ संग्रहकर्त्ता लग सुरक्षित अछि। रचना क अनुवाद आ पुन: प्रकाशन वा आर्काइव क उपयोग लेल इ-समाद डॉट कॉम प्रबंधन क अनुमति आवश्यक। प्रबंधक- छवि झा, संपादक- कुमुद सिंह, राजनीतिक संपादक- प्रीतिलता मल्लिक, समाचार संपादक- नीलू कुमारी। वेवसाइट क डिजाइन आ संचालन - जया झा।

हमरा स संपर्क: esamaad@gmail.com

  • मुखपृष्ठ
  • ईपेपर
  • संपर्क

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

No Result
View All Result
  • समाचार
  • समाद विशेष
  • चित्रालय
  • विचार
  • संपादकीय
  • देश-दुनिया
  • फीचर
  • साक्षात्‍कार
  • खेल
  • तकनीक

सर्वाधिकार सुरक्षित © 2007-2019 | esamaad.com

error: कॉपी डिसेबल अछि