सुपौल। भपटियाही-निर्मली क बीच कोसी नदी पर बनल फोरलेन सड़क-पुल क लोकार्पणक उपरांत निर्मली कॉलेज मैदान मे आयोजित जनसभा कए संबोधित करैत केन्द्रीय मंत्री डॉ. सीपी जोशी कहला जे कोनो प्रदेश क विकास सड़क आ पुल-पुलिया क व्यवस्था पर निर्भर करैत अछि। कोसी महासेतु चालू भेला स एहि इलाका मे सेहो आब विकास क दुहारि खुलत, उद्योग धंधा लागत आ लोक कए रोजगार भेटत। ओ कहला जे हुनका उम्मीद अछि जे इ पुल एहि इलाका कए समृद्ध करत आ लोक कए खुशहाल करत।
श्री जोशी कहला जे ओ पहिल बेर मिथिलाक धरती पर एलथि अछि, हुनका एहि ठामक भूगोल नहि पता अछि मुदा हुनक मंत्रालय मे सचिव मिथिलाक रहनिहार छथि ताहि लेल एहि ठामक विकास जानकारीक अभाव मे नहि रुकल रहत आ जहां तक संभव होएत सडक पहुंचत। श्री जोशी कहला जे राज्य आ देश क विकास लेल केन्द्र क सहयोग बराबर भेटैत रहत। ओ कहला जे मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मे देश क निर्माण क ताकत अछि। जेतबा तेज बिहार क विकास होएत ओतबा तेजी स देश आगू बढत। ओ कहला जे हुनका उम्मीद अछि जे नीतीश बाबू क नेतृत्व मे बिहार आगू बढत। एहि लेल केन्द्र स जे मदद संभव होएत देल जाएत। श्री जोशी कहला जे बिहार क विकास गति देशक विकास दर स बैसी अछि, मुदा हमरा इ सेहो पता अछि जे देशक सबस उपजाउ जमीन मिथिला मे अछि। एखन मे अगर मिथिलाक खेती पर ध्यान देल जाए त बिहारक विकास दर काफी आगू जा सकैत अछि। श्री जोशी कहला जे भागलपुर बाईपास या डुमरी घाटक पुल जे अहां सबहक मांग अछि सबटा पर विचार कैल जाएत। सुपौल कए एहि स जोडबा लेल जे प्रस्ताव अछि ओ सेहो विचाराधीन अछि। एक एक करि सबटा काज होएत।