नई दिल्ली। विश्व बैंक बिहारक सातटा राष्ट्रीय राजमार्ग कए टू-लेन सड़क क रूप मे विकसित करबा लेल वित्तीय सहायता देबा लेल तैयार भ गेल अछि। राष्ट्रीय राजमार्ग प्राधिकरण एहि सड़क परियोजना क विस्तृत परियोजना रिपोर्ट [डीपीआर] बनेबा लेल कंसलटेंट [सलाहकार] क नियुक्ति करि देलक अछि। डीपीआर तैयार हेबा मे करीब तीन मास लागत। एकर बाद टेंडर क प्रक्रिया शुरू होएत। सूत्रों के मुताबिक विश्व बैंक बिहार क जाहि सातटा एनएच परियोजना लेल वित्तीय सहायता द रहल अछि ओहि मे स चारिटा पर पहिल चरण मे काम शुरू होएत। जाहि मे फतुहा-हरनौत-बाढ़ क एनएच 30 ए क 69 किमी, बीरपुर स बीहपुर तक एनएच 106 क 136 किमी, अकबरपुर स यदुनाथपुर-जरदाग तक एनएच 2 सी क 65 किमी आओर अनीसाबाद-औरंगाबाद-हरिहरगंज क बीच एचएच 98 क 149 किमी, मुंगेर-भागलपुर-मिर्जाचौकी क बीच एचएच 80 क 125 किमी, शिवहर-सीतामढ़ी-जयनगर क बीच एच 104 क 176 किमी आ बेतिया-कुशीनगर क बीच एनएच 28 बी क 87 किमी सड़क बनबाक अछि।
This is a real good news I have read about in more than ten years for Mithila Region. I hope and wish everyone related to mithila…including Students, Citizen, and Political leadership contribute their best for the reason…..Vijay Thkaur (Dwarka, New Delhi, India)