वैशालीगढ़। बिहार क मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलथि जे वैशाली क एक टा प्रमुख पर्यटक केंद्र क तौर पर विकसित करबाक लेल ओ केंद्र सरकार स गप करताह आ एहि ठाम उत्खनन काज कए आगू बढ़बाकलेल पुरातत्व सर्वेक्षण क एक टा दल कए पठेबाक आग्रह करताह। बिहार क नालंदा जिला क प्रमुख पर्यटक स्थल राजगीर मे पिछला महीना चारि दिन तक प्रवास करबा आ ओहि ठाम बौद्ध स्तूप परिसर मे अपन मंत्रिमंडल क बैठक करबाक बाद आब लोकतंत्र क जननी क रूप मे प्रख्यात वैशाली जिला क वैशालीगढ़ पहुंचला पर नीतीश एहि ठाम अवस्थित मौर्य काल क अशोक स्तंभ आ राजा विशाल क गढ़ कए अवलोकन केलथि। नीतीश भगवान महावीर क जन्मस्थली कोल्हा-बासेकुंड गेलथि आ विश्व शांतिस्तूप भगवान बुद्ध स जुड़ल अवशेष क अवलोकन केलथि आ संग्रहालय क भ्रमण केलथि। मुख्यमंत्री एहि ठाम सात करोड़ टका क लागत स स्पोट्र्स काम्पलेक्स आ अभिषेक पुष्करणी क जीर्णोद्धार काज क उद्घाटन केलथि। एकर बाद नीतीश चकवारा गाम जाकए बीज उत्पादन मे लागल किसान स भेंट केलथि आ ओहि ठाम क मशहूर फूलगोभी हलवा आ सुगंधित नेनुआ क संग भुजिया क स्वाद चखलथि। नीतीश कहलथि जे राष्ट्रीय धरोहर क रक्षा करबाक हुनकर सरकार क प्राथमिकता मे शामिल अछि आ तिरहुत प्रमंडल क आयुक्त एसएम राजू कए एहि क्षेत्र क विकास क लेल एकटा योजना तैयार करबाक कहताह ताकि सरकार हुनका लेल बजट मे राशि क प्रावधान करि सकत। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कहलथि जे बीज क प्रसंस्करण मे लागल एहि क्षेत्र क किसान कए सरकार द्वारा मदद कएल जाएत आ हुनकर बीज क गुणवत्ता क जांच क काज मे राजेंद्र कृषि विश्वविद्यालय क वैज्ञानिक कए लगाएल जाएत। नीतीश कहलथि जे बिहार मे विदेशी पर्यटक क संख्या पिछला साल क एक लाख क तुलना मे आब बढ़कए 3.5 लाख पहुंच गेल अछि। मुख्यमंत्री कहलथि जे प्रदेश मे विदेशी पर्यटक क संख्या मे आओर वृद्धि करबाक लेल मेहनत करबाक होएत।