
नई दिल्ली।  भागलपुर स भाजपा सांसद आओर पूर्व केंद्रीय मंत्री शाहनवाज हुसैन कए अमेरिका आखिर कार वीजा द देलक। ओ मंगल दिन अमेरिका रवाना भ गेलाह।  हुसैन संयुक्त राष्ट्र सम्मेलन मे हिस्सा लेबा लेल अमेरिका जेबाक आवेदन केने छलाह। मुदा सोमदिन हुनका वीजा नहि भेटल। सम्मेलन न्यूयॉर्क मे 20 स 31 अक्टूबर तक हेबाक छैक। सूत्र कहैत अछि जे बराक हुसैन ओबामाक देश अमेरिका कए शाहनवाज हुसैन क नाम पर ऐतराज छल। एहि सम्मेलन मे बिहार स अली अहमद सेहो हिस्सा लेबा लेल अमेरिका गेलाह अछि। कुल पांच टा सांसद मे एकटा बिहारी मूलक संजय निरुपम सेहो छथि। 		
 
			 
		    



 
                                

